Home » Archives by category » Interview (Page 2)

विश्वरंजन जी संग अन्तर्वार्ता – मिथिलाक प्रत्येक व्यक्ति मे जनकल्याणकारी अन्तर्शक्ति समाहित अछि

विश्वरंजन जी संग अन्तर्वार्ता – मिथिलाक प्रत्येक व्यक्ति मे जनकल्याणकारी अन्तर्शक्ति समाहित अछि

अन्तर्वार्ता – मिथिलाक प्रत्येक व्यक्ति मे आइयो भेटैत अछि जनकल्याणकारी अन्तर्शक्ति “मिथिला मे मृत्युभोज चलबाक चाही लिमिटेशन्स मे, कि जहिना चलैत छै ओहिना रहबाक चाही? अपन विचार देल जाउ। अपन ओपिनियन देबाक कष्ट करबै।” मैसेन्जर पर एकटा महत्वपूर्ण जिज्ञासा करैत छथि एक सज्जन। प्रश्न सब अबैत रहबाक कारण जतेक संभव होइत अछि अपन विचार सँ […]

नाटक लेखन सँ एनिमेशन फिल्म निर्माण धरि मैथिलीक स्टार युवा फिल्मकार अभिकाश झा

नाटक लेखन सँ एनिमेशन फिल्म निर्माण धरि मैथिलीक स्टार युवा फिल्मकार अभिकाश झा

विशिष्ट युवा प्रतिभा परिचयः मैथिली मे एनिमेशन फिल्म निर्माणकर्ता ‘अभिकाश झा’ हम मिथिला छी। हमर माटि-पानि-आवोहवा सब किछु सदैव किछु नव सृजनकर्म लेल प्रेरित करैत अछि। जाहि माटि सँ साक्षात् पराम्बा जानकी अवतार लेलनि, अवश्य ओकर सौभाग्यक सीमा नहि रहि गेल अछि। भाग्यशाली हमर समस्त संतान जेकर रोम-रोम मे ज्ञान अपन विभिन्न रूप मे छलकैत […]

मिथिलाक्षर शिक्षा अभियानः औचित्य, उपयोगिता, आवश्यकता आ अनिवार्यता

मिथिलाक्षर शिक्षा अभियानः औचित्य, उपयोगिता, आवश्यकता आ अनिवार्यता

साक्षात्कारः मुकेश कुमार मिश्र, मिथिलाक्षर शिक्षा अभियान केर संचालक संग मैथिली जिन्दाबाद संपादक प्रवीण नारायण चौधरी जँ मिथिलाक्षर नहि सीखने छी त अहाँ अपूर्ण मैथिल भेलहुँः मिथिलाक्षर अभियानी मुकेश किछुए दिन पूर्व मे भारतक एक मंत्री श्री प्रकाश जावड़ेकर दरभंगा सांसद कीर्ति आजाद केर प्रश्नक लिखित उत्तर दैत भारतक संसदीय सदन मे कहने छलाह जे […]

एमएसयू केर लोकप्रियता सँ घबरायल छथि किछु राजनीतिक दल आ समर्थकः रौशन मैथिल

एमएसयू केर लोकप्रियता सँ घबरायल छथि किछु राजनीतिक दल आ समर्थकः रौशन मैथिल

साक्षात्कार मिथिला स्टूडेन्ट यूनियन (भारत) केर अध्यक्ष रौशन मैथिल संग संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक अन्तर्वार्ता मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित विचार पर मिथिला स्टूडेन्ट यूनियन (भारत) द्वारा तीव्र प्रतिक्रिया दैत एकर राष्ट्रीय अध्यक्ष रौशन चौधरी उर्फ रौशन मैथिल अपन पक्ष पर खुलिकय विचार रखलनि अछि। ओ कहलनि अछि जे ई सब आरोप-प्रत्यारोप सिर्फ एमएसयू केर मिथिलावादक […]

मैथिली मचान कि थिक आ एकर लक्ष्य कतय अछि, साक्षात्कार डा. सविता झा खान संग

मैथिली मचान कि थिक आ एकर लक्ष्य कतय अछि, साक्षात्कार डा. सविता झा खान संग

साक्षात्कार मैथिली मचान केर संचालिका डा. सविता झा खान संग संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक वार्ता – सन्दर्भ काठमांडू  मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा मैथिली मचान केर संचालिका डा. सविता झा खान संग हालहि संपन्न काठमांडू (नेपाल) केर २२म अन्तर्राष्ट्रीय पुस्तक मेलाक सन्दर्भ तथा समग्रता मे किछु महत्वपूर्ण सवाल-जबाब कयलनि अछि। प्रस्तुत अछि […]

मिथिलाक कर्मठ सपुत – मैथिली दर्पण केर प्रकाशक दीपक झा संग साक्षात्कार

मिथिलाक कर्मठ सपुत – मैथिली दर्पण केर प्रकाशक दीपक झा संग साक्षात्कार

साक्षात्कारः दीपक झा, प्रकाशक, मैथिली दर्पण, मुम्बई मिथिला सब दिन ऋषि-मुनिक धरती रहल। एतय जे कियो राजा भेलाह ओ प्रजाप्रेमी, प्रजाक हित मे सदिखन कार्य करबाक कारण अपन देहोक सुधि-बुधि बिसरा जाएत रहलन्हि तैँ ‘विदेह’ कहेलाह। – ई आख्यान् भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीजी अपन हालहि संपन्न प्राचीन मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी वर्तमान नेपालक प्रदेश २ केर […]

अपन खूबी आ टैलेन्ट सँ दर्शक केँ रिझाउ, दोसरक नकल सँ किछु नहि भेटतः डौली सरकार

अपन खूबी आ टैलेन्ट सँ दर्शक केँ रिझाउ, दोसरक नकल सँ किछु नहि भेटतः डौली सरकार

साक्षात्कारः फिल्म अभिनेत्री तथा विशिष्ट कलाकार “डौली सरकार” संग – प्रवीण नारायण चौधरी भोर सिनेमा जे नेपाली भाषा मे बनल मैथिली कथानक पर आधारित सिनेमा अछि तेकर चर्चा खूब जोर-सोर सँ चलि रहल अछि, बधाई मिथिलाक चर्चित अभिनेत्री सुश्री डौली सरकार।   एक अभिनेत्रीक रूप मे सिल्वर स्क्रीन पर हिनक ई सिनेमा खूब सफलता पाबि […]

नेपाल मे राष्ट्रीय कामकाजक भाषा मे परिमार्जन हेतु भाषा-आयोगक गठन आ प्रगति

नेपाल मे राष्ट्रीय कामकाजक भाषा मे परिमार्जन हेतु भाषा-आयोगक गठन आ प्रगति

समीक्षा नेपाल मे एकल भाषा नीति सँ निजात पेबाक वास्ते नव संविधान किछु प्रावधान त केलक, लेकिन एहि सँ कोनो उत्साहजनक स्थिति आन भाषा लेल ठोस रूप लय सकल तेहेन किछुओ उपलब्धि नहि भेटि सकल अछि। राजनीतिक परिवर्तन लेल संघर्ष मे लागल नीतिकार सब एहि लेल नव संविधानक आलोचना कयलनि आर क्रमशः भाषा आयोग निर्माण […]

कि मिथिलाक कोनो विद्वान् शोधकर्ताकेँ राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय सम्मान भेटल छन्हिः जिज्ञासा

कि मिथिलाक कोनो विद्वान् शोधकर्ताकेँ राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय सम्मान भेटल छन्हिः जिज्ञासा

एक आर जिज्ञासा….   डाक्टरेट करबाक हिम्मत कोनो नव विन्दु पर अन्वेषण – शोध सँ बुझल जाएत अछि। कोर्स केर किताब मे पढायल गेल बहुत रास प्रसिद्ध वैज्ञानिक लोकनिक महत्वपूर्ण शोध मोन पड़ि रहल अछि। तहिना वर्तमान समय सेहो अपने कतेको रास मित्र द्वारा शोध पूरा कयला उत्तर थेसिस लिखिकय प्रस्तुत केला उत्तर हुनका पीएचडी […]

अहमदाबाद मे पहिल बेर २८ जनवरी केँ आयोजित होयत मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह

अहमदाबाद मे पहिल बेर २८ जनवरी केँ आयोजित होयत मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह

अहमदाबाद, दिसम्बर ५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! गुजरातक राजधानी अहमदाबाद मे सेहो मिथिलाक प्रवासी समाज बहुतो वर्ष सँ अपन गंभीर योगदान दैत आबि रहला अछि। एतुका विकास मे – प्रशासन मे आर संग-संग आधुनिक समयक उद्योग व्यवस्थापन हो अथवा राजनीतिक परिवेश – सब तैर मैथिल जनमानसक योगदान केँ मूल गुजरातवासी सेहो सराहनीय दृष्टि सँ देखैत छथि। […]