Home » Archives by category » Event

आउ बुझैत छीः सहरसा मे २ सँ ४ अप्रैल माल्फ आयोजन २०२१
मिथिला आर्ट, लिटरेचर एन्ड फिल्म फेस्टिवल – सहरसा अप्रैल २ सँ ४, २०२१ ई. प्रस्तावित स्थल – जिला प्रेक्षागृह, विकास भवन समीप सहरसा – जेकर उद्घाटन हालहि बिहार सरकार द्वारा सम्पन्न भेल अछि, जाहि ठाम सहरसाक सर्वथा नव आ आधुनिक सम्पूर्ण सुविधा जाहि मे ३६० गोटाक बैसबाक आ अपनहि स्थान सँ माइक्रोफोन मे […]

आइ छी गैर-आवासीय नेपाली संघ केर ३३म् ‘प्रवासी प्रवाह’ मैथिली भाषा-साहित्य पर – जुड़बाक अपील
हार्दिक अपील प्रत्येक मैथिली भाषी आ विशेष रूप सँ साहित्यप्रेमी लोकनि सँ विशेष आग्रह – गैर-आवासीय नेपाली संघ – एनआरएनए केर “भाषा, साहित्य, संस्कृति तथा सम्पदा प्रवर्द्धन समिति” द्वारा निरन्तर उद्देश्य सन्दर्भित कार्यक्रमक आयोजना कयल जाइत रहल अछि। पहिल बेर एहि संस्था द्वारा नेपालक अन्य राष्ट्रिय भाषाक रूप मे सर्वप्रथम मैथिली केँ स्थान […]

कोरोना वायरस केर चपेट में मैथिल सम्मेलन, निर्धारित तिथि २८-२९ मार्च स्थगित
७ मार्च २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!! आगामी २८ आ २९ मार्च २०२० केँ दिल्ली स्थित विज्ञान भवन में प्रस्तावित आयोजन “प्रथम विश्व मैथिल सम्मेलन” अनिश्चित काल लेल स्थगित कयल गेल अछि। आयोजक संस्था अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा जारी विज्ञप्ति सूचना अनुसार कोरोना वायरस केर संक्रमण सँ विभिन्न देश सँ अपेक्षित अतिथि लोकनिक यात्रा प्रभावित हेबाक […]

१७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन लेल आम बैसार काल्हि
सूचना प्रातःकाल केर प्रणाम विराटनगर एवं आसपासक मैथिलीभाषाभाषी व सहयोगी-शुभेच्छु लोकनि केँ! काल्हि शनि दिन मिति सावन १८ गते – ३ अगस्त २०१९ केँ बखरी स्थित मैथिली स्टडी प्वाइन्ट मे १७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सम्बन्ध मे महत्वपूर्ण बैसार १ बजे होमय जा रहल अछि, कृपया अपने लोकनि अधिक सँ अधिक संख्या मे उपस्थित भऽ […]

जनकपुर मे विमर्शः नेपाल मे मैथिली लेखनक अवस्था पर चर्चा ४ मार्च केँ
नेपालदेश मे मैथिली लेखनक अवस्था एकल भाषा नीति आ खसकुरा यानि नेपाली भाषा केँ राज्य द्वारा अनिवार्य पालन करैत राजकाजक भाषा बनेबाक कारण शिक्षा-दीक्षा सँ लैत सरकारी कामकाज, अदालत, आदिक भाषा बनाकय आन समस्त भाषा पर नेपाल मे दमन हेबाक कठोर इतिहास भेटैत अछि। लेकिन मैथिली भाषा प्राचीन आ समृद्ध भाषा होयबाक संग-संग नेपालक […]

अन्तर्राष्ट्रीय विद्यापति महोत्सवक आयोजन नेपाल-भारत सीमा ‘जोगबनी’ मे २९ दिसम्बर केँ
विराटनगर, १८ दिसम्बर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! पूर्व वर्षक भाँति एहि वर्ष सेहो नेपाल-भारत सीमाक्षेत्र विराटनगर केर पड़ोसी भारतीय नगर मे २९ दिसम्बर शनि दिन केँ अन्तर्राष्ट्रीय विद्यापति महोत्सव २०१८ आयोजित कयल जायत। एहि आयोजनक प्रमुख अतिथि बिहार सरकारक पीएचईडी मंत्री विनोद नारायण झा रहता। हुनका संगहि नेपालक पूर्व केन्द्रीय मंत्री एवं वर्तमान सांसद शिव कुमार […]

कि सब होयत, के सब औता – अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन जनकपुरधाम – २२-२३ दिसम्बर केँ
१६म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन – जनकपुरधाम यैह २२ आ २३ दिसम्बर तदनुसार शनि आ रवि दिन नेपालक प्रदेश २ केर राजधानी जनकपुरधाम मे १६म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन केर आयोजन कयल जेबाक जनतब संयोजक राम भरोस कापड़ि ‘भ्रमर’ द्वारा देल गेल अछि। नेपाल आ भारत दुनू ठामक मैथिली भाषा-साहित्यक विद्वान् संग मैथिली-मिथिलाक अनन्य सेवक – […]

इनरुवा मे सामा-चकेवाक उपलक्ष्य मे मैथिली सांस्कृतिक संध्याक आयोजन
इनरुवा, सुनसरी। २२ नवम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! युवा सामाजिक-सांस्कृतिक एवं भाषा अभियन्ता धीरज बर्माक अगुवाई मे प्रत्येक वर्ष होबयवला मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम एहि बेर सामा-चकेवाक उपलक्ष्य मे इनरुवा मे आयोजित कयल जायत। युनाइटेड इनरुवा नेपाल केर बैनर मे ई आयोजन २३ नवम्बर शुक्र दिन स्थानीय महेन्द्र चौक परिसर मे आयोजित होयत। धीरज बर्मा मैथिली जिन्दाबाद […]

चनमा द्वारा अड़हुल केर आयोजन महोत्तरी मिथिला नेपाल मे विजयादशमीक दिन
महोत्तरी, मिथिला, नेपाल। अक्टूबर १५, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! काठमांडूक बाद मैथिली साहित्यिक-सांस्कृतिक विमर्श महोत्तरी मिथिला नेपाल मे किछु मास पूर्व मे साहित्यिक विमर्शक संग लोकसंस्कृतिक विभिन्न विधा पर अलग-अलग सत्र मे कयल गेल विद्वत् परिचर्चा गोष्ठी ‘चनमा’ जेकर आयोजन नेपालक राजधानी काठमांडू मे कयल गेल छल, आर क्रमिक रूप सँ ‘चनमा’ नामक आयोजन समूह आब […]

सहरसा मे दिसम्बर मे होयत तीन दिवसीय मिथिला कला एवं फिल्म महोत्सव, संस्कृति मिथिला करत आयोजन
सहरसा, १२ सितम्बर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक क्रान्ति भूमि सहरसा मे पुनः एक क्रान्तिकारी आयोजनक घोषणा आइ गणेश चतुर्थीक विशेष अवसर पर कयल गेल अछि। सहरसा मे मिथिला कला साहित्य आ फिल्म महोत्सव २०१८ केर आयोजन ‘संस्कृति मिथिला’ केर अगुवाई तथा विमल सेवा संस्था, एम्बीशन कैरियर जंक्शन, युग मीडिया तथा शिम्मर फिल्म्स इंटरनेशनल केर सहयोग […]