Home » Archives by category » Article » Culture (Page 181)

मैथिल ब्राह्मण सभा केर केन्द्रीय सदस्य बिघ्नेश झा केर भूकंप मे मृत्यु

मैथिल ब्राह्मण सभा केर केन्द्रीय सदस्य बिघ्नेश झा केर भूकंप मे मृत्यु

निराजन झा, काठमांडु। मैथिली जिन्दाबाद, मार्च २९, २०१५. मैथिल ब्राह्मण सभा – काठमांडु केर केन्द्रीय सदस्य बिघ्नेश झा केर भूकंप मे मृत्यु होयबाक दुखद खबड़ भेटल अछि। विघ्नेश झा अत्यन्त मिलनसार आ मैथिली-मिथिलाक संग-संग मैथिल ब्राह्मणक संस्कार आ सम्मान लेल सदिखन सक्रिय रूप सँ कार्यरत रहला। विदित हो जे संपूर्ण नेपाल मे अलग-अलग ठाम पर […]

ढहि गेल कृष्ण मन्दिर: एतय विद्यापति रचित पदावली सँ भोर-साँझ आरती होइत छल

ढहि गेल कृष्ण मन्दिर: एतय विद्यापति रचित पदावली सँ भोर-साँझ आरती होइत छल

निराजन झा, काठमांडु। मैथिली जिन्दाबाद, २९ मार्च, २०१५. मैथिलीक स्वर्णिम युग मानल जायवला मल्लकालीन राज्य जे काठमांडु राजधानी सँ शासन व्यवस्था चलबैत छल, जिनक राज्य मे मैथिली राजकाजक भाषा छल, लिपि नेवारीक रहितो भाषा मैथिलिये ताहि समय केर सबसँ समृद्ध भाषा मानल जयबाक कारणे तत्कालीन नेपालक राजा मल्ल वंशकेर राज्य मे मैथिली केँ राजभाषाक मान्यता […]

हम मैथिल छी!

हम मैथिल छी!

हम मिथिला पुण्यक्षेत्रक बेटा छी, हमरा मैथिल होयबा पर गर्व अछि। बहुत पुण्य केलहुँ तखन मनुष्य रूप मे जन्म भेल, ताहू सँ बेसी पुण्य केलहुँ तखन मिथिला समान पवित्र भूमि जतय सीता समान सर्वश्रेष्ठ पतिव्रता आ सौम्य-शान्त सुमधुर मैथिलीक धरा सँ जनक द्वारा हलेष्ठि यज्ञ केलापर अवतार भेल छल ताहिठाम हमरो जन्म भेल। एहना मे […]

अमित आनन्द पहुँचि गेला काठमांडु

अमित आनन्द पहुँचि गेला काठमांडु

नेपाल भूकंप राहत अभियान यात्रा पर आइ भोरे सिन्धुली बाजार सँ पहाड़क चढाइ पर चढैत – बाट-घाट मे भूकंप पीड़ितक हाल-चाल लैत मैथिल अभियानी आ स्वतंत्र पत्रकार लगभग एक घंटा पहिने काठमांडु पहुँचि गेला। एखन तुरन्ते हुनका संग बात भेला पर ओ मैथिल स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षिक हात्तिवन स्थित आवास पर पहुँचबाक जानकारी करौलनि। सर्वप्रथम पशुपतिनाथक दर्शन […]

नेपाल भूकंप: ९० घंटाक बाद

नेपाल भूकंप: ९० घंटाक बाद

नेपाल सरकार द्वारा समुचित राहत आ फँसल लोककेँ उद्धार कार्य मे शिथिलताक चौतरफा निन्दा – सत्तापक्ष आ विपक्ष सहित समस्त राजनीतिकर्मी पर आम जनमानस द्वारा गंभीर प्रश्न ठाढ। विदेशी उद्धारकर्मी द्वारा भाग्यशाली कतेको लोककेँ ७२ घंटाक बादो कैल गेल उद्धार – राहत कार्य लेल काठमांडु आ पोखरा केँ केन्द्र बनाय भारतीय राहतकर्मी द्वारा सर्वाधिक विस्तृत […]

त्रिपाल मे रहनिहार! चलू प्रधानमंत्री निवास बालुवाटार!!

त्रिपाल मे रहनिहार! चलू प्रधानमंत्री निवास बालुवाटार!!

– खगेन्द्र संग्रौला (मूल लेख नेपाली सँ मैथिली मे अनुदित) नेपालमे ८२ वर्ष बाद आयल भूकम्प महाविपत्तिक रुपमे देखा पड़ल अछि। राज्य अकर्मण्य, अनुत्तरदायी आर भ्रष्ट अछि। नागरिक केँ भूकम्प बाद न्यूनतम राहत आर ढाँढस देबयमे सेहो राज्य असमर्थ अछि। भग्नावशेषमे लाश सड़ि रहल छैक। लोक सब चौरी (मैदान) मे जेम्हर-तेम्हर पड़ल अछि। त्रिपालक समस्या छैक। पानिक […]

अमित आनन्दकेर अभियानक प्रथम पड़ाव – सिन्धुली बाजार

अमित आनन्दकेर अभियानक प्रथम पड़ाव – सिन्धुली बाजार

ज्ञात हो जे महिषी सहरसा सँ प्रारंभ नेपाल भूकंप राहत अभियान पर मैथिल अभियानी तथा स्वतंत्र पत्रकार अमित आनन्द आइ राजविराज सँ संध्याक समय काठमांडू लेल मिथिलाक अनुपम डेगक संस्थापक निराजन झा संग निकैल चुकल छथि। आइ प्रथम दिनक यात्रा मे मैदानी भूभागक विभिन्न बाजार मे रुकैत ओहि ठाम भूकंपक प्रभावक निरीक्षण आ रिपोर्ट तैयार […]

मैथिल बिहारी कोना? आ कियैक?

मैथिल बिहारी कोना? आ कियैक?

बिहार राज्य कोना आ किऐक बनलैक १९१२ मे? कि हम सब बिहारी छी जे बिहार मे बलजोरी घुसा देल गेल? कि हमर अपन संस्कृति, भाषा, भूगोल, इतिहास आ सामाजिकता नहि छल? कि हम भारतीय संघक एक अकाट्य अभिन्न अंग नहि जे विद्याबल सँ भारतक मुकुटमणि बनि रहलहुँ? तऽ आइ हमर पहिचान कि? आइ हमरा लेल […]

मैथिल अभियानी महिषी सँ काठमांडुक यात्रा पर

मैथिल अभियानी महिषी सँ काठमांडुक यात्रा पर

मैथिली, मिथिला आ राष्ट्रवादकेर प्रखर समर्थक अभियानी तथा स्वतंत्र पत्रकार अमित आनन्द अपन कर्मक्षेत्र महिषी (सहरसा) सँ काठमांडुक यात्रा पर आइ निकैल चुकला अछि। अपन फेसबुक स्टेटस मे ओ कहलैन जे ‘चललहुँ काठमांडुक यात्रा पर भाया राजविराज।’ जानकारी करुणा झा द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केँ भेटल छल जे सहरसा सँ किछु अभियानी लोकनि काठमांडुक यात्रा पर […]

जानकी नवमी पर कुमारि भोजन

जानकी नवमी पर कुमारि भोजन

झारखंड मिथिला मंच केर महिला समूह द्वारा काल्हि जानकी नवमीक शुभ अवसर पर कुमारि भोजन कराओल जेबाक समाचार भेटल अछि। झारखंड मिथिला मंच केर फेसबुक पेज द्वारा कुमारि भोजनक फोटोक संग जानकी नवमी पर अपन मिथिलाक मूल संस्कृतिक रक्षार्थ एहेन सान्दर्भिक डेग उठेबाक जानकारी स्रोत द्वारा भेटल अछि। विदित हो जे झारखंड मैथिली मंच सँ […]