Home » Archives by category » Article (Page 91)

छठि मैया आ डूबैत-उगैत सूरुजके पूजा

छठि मैया आ डूबैत-उगैत सूरुजके पूजा

छैठ परमेश्वरी के पूजा समस्त मिथिलावासी लेल अति प्राचिन पारंपरिक पूजन समारोह थीक। सामूहिक रूपमें बेसीतर महिला लेकिन गोटेक पुरुष व्रतधारी सभ संग अनेको प्रकारके पकवान व ऋतुफल संग संध्याकालीन सूर्यकेँ हाथ उठाय नमस्कार अर्पण करैत पुनः उषाकाल भोरहरबेसँ छठि परमेश्वरी (उगैत सूरज) केर दर्शन लेल व्रतधारी करजोड़ि ठरल जलमें ठाड़्ह इन्तजार करैत छथि। सूर्योदय […]

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला चुगलखोरी करनिहारके कहल जाइत छैक। मिथिलामें मैथिल सभक एक महत्त्वपूर्ण पावैन सामा-चकेवा में चुगला-दहन के गाथा छैक। चलू यैह बहाना हम किछु संस्मरण करी पावैन सामा-चकेवा जे मिथिलामें लोक-पर्व रूप मनयबाक अति प्राचिन परंपरा अछि।  पात्र परिचय: सामा – याने द्वारकाधीश श्री कृ्ष्णकेर बेटी के नाम! प्रकृति-प्रेमसँ आविर्भूत! सदिखन चिड़ै-चुनमुनी, जंगल-पहाड़, नदी-झरना-पोखैर-वन-उपवनमें रमनिहैर !  […]

तीन बात

तीन बात

प्रत्येक मनुष्य लेल निम्न तीन बात विचारपूर्वक करबाक चाही। १. शरीरक तप: देवद्विजगुरुप्राज्ञपूजनं शौचमार्जवम्। ब्रह्मचर्यमहिंसा च शारीरं तप उच्यते॥ देवता, द्विज (ब्राह्मण व जीवन मे संस्कार प्रदान केला उपरान्त दोसर बेर जन्म भेनाय माननिहार), गुरु, प्राज्ञ (विद्वान्, ज्ञानी, गुणी) केर पूजन; शौच (शारीरिक मलादि सँ निवृत्ति, स्नान आ सफाइ आदि) आ मार्जव (शारीरिक सरलता, साधारण […]

श्री महागणेशपञ्चरत्नस्तोत्रम् (श्रीशङ्कराचार्यकृतम्)

श्री महागणेशपञ्चरत्नस्तोत्रम् (श्रीशङ्कराचार्यकृतम्)

मुदाकराक्त मोदकं सदा विमुक्तिसाधकम्। कलाधरावतंसकं विलासि लोकरक्षकम्॥ अनायकैक नायकं विनाशितेभदैत्यकम्। नताशुभाशुनाशकं नमामि तं विनायकम्॥१॥ नतेतरातिभीकरं नवोदितार्कभास्वरम्। नमत्सुरारि निर्जरं नताधिकापदुद्धरम्॥ सुरेश्वरं निधीश्वरं गजेश्वरं गणेश्वरम्। महेश्वरं तमाश्रये परात्परं निरन्तरम्॥२॥ समस्त लोकशङ्करं निरस्तदैत्यकुञ्करम्। दरेतरोदरं वरं वरेभवक्त्रमक्षरम्॥ कृपाकरं क्षमाकरं मुदाकरं यशस्करम्। मनस्करं नमस्कृतां नमस्करोमि भास्वरम्॥३॥ अकिञ्चनार्तिमार्जनं चिरन्तनोक्ति भाजनम्। पुरारिपूर्व नन्दनं सुरारि गर्वचर्वणम्॥ प्रपञ्च नाशभीषणं धनञ्जयादि भूषणम्। कपोलदानवारणं भजे पुराणवारणम्॥४॥ […]

मिथिलाक फल: आम

मिथिलाक फल: आम

अहां मज्जरमे आबी ने आबी मुदा… टिकुलामे आयब जरूर सजना पछिला वर्षक निराशा के तोड़ैत एहि बेर आम केर मज्जर मिथिलाक जनमानस मे संतोष दऽ रहल अछि। मिथिला भ्रमण क्रम एहेन देखल जा रहल अछि। गृहस्थ लोकनि मज्जर पर कीटनाशक दबाइ केर छिड़काव कय रहलाह अछि आ हुनका सभक मुह पर मुस्की पसरल अछि। नव […]

बधाई ज्ञापन!!

बधाई ज्ञापन!!

दिल्ली केँ हार्दिक बधाई! यथार्थ रूप मे महाभियानक संचालक – दिल्ली मे मैथिली ओ मिथिलाक झंडा गाड़निहार एक पुरोधा – सदैव कर्मठताक संग आगू बढैत – केहनो संघर्ष मे जीत हासिल करैत अपन मातृभूमि आ मातृभाषा प्रति पूर्ण समर्पित – मुदा अपन कठोर सिद्धान्त आ जिद्द लेल सेहो प्रसिद्ध, हिनकर आजीवन योगदानक कदर करैत एहि […]

मैथिल गप्पी कियैक होइत अछि?

मैथिल गप्पी कियैक होइत अछि?

मैथिल खूब गप्पी टा होइत अछि, वास्तविकता यैह छैक। अहाँ गप खूब लय सकैत छी मैथिल जनमानस सँ। एकरा लेल खूब शोध केलाक बाद पता चलैत छैक जे बेसी रास लोक, कहि सकैत छी जे सब कियो अपन पैर पर ठाढ छथि या हेबाक लेल तत्पर छथि। निजी आवश्यकताक पूर्ति करबाक संघर्ष मे व्यस्त लोक […]

मैथिली जिन्दाबाद – (लोगो परिचय आ प्रस्तुति)

मैथिली जिन्दाबाद – (लोगो परिचय आ प्रस्तुति)

मैथिलीक गुण गरिमा गायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। देश-विदेशक बात बतायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत॥ दुइ मित्र देशक झण्डा फहरायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। सर शोभित सोन पाग विराजत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत॥ माछ मखान आ पान दर्शायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। दुहु देशक पत्रकार जितायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत॥ सुसंस्कृति संस्कार बतायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। मैथिल केँ साहित्य पढायत, मैथिली […]

समाजक इच्छा कि?

समाजक इच्छा कि?

राम विलास राम केर एकमात्र पुत्र फूलबाक बियाह सांगी चमरटोलीक सुप्रसिद्ध साहुकार जोखन रामक सुपुत्री संग धुमधाम सँ संपन्न भेलैक। लेनदेनक पराकाष्ठा गामक लोक देखलक। एहि सँ पहिने राम विलासक परिवार मे केकरो एतेक बढियां साँठ उपहार नहि भेटल छलैक। फूलबा बिहार सरकारक नवका योजना नियोजित शिक्षक बनि गेल छल आ राम विलासक मेहनैत काज […]

दहेज मुक्त मिथिलाक बढैत डेग

दहेज मुक्त मिथिलाक बढैत डेग

वैद्य ओ पी महतो, दरभंगा। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५। बिठौली गामक बाबा महेश्वरनाथ मंदिर पर दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आयोजित जन सम्पर्क कार्यक्रमक एक टा बैसार कयल गेल जाहि में सर्व श्री श्याम झा,संजय कुमार मंडल,रमेश मिश्र,वंशी बट मिश्र,रामदयाल राय,दिनेश राय,रामाकान्त राय,दिगम्बर मिश्र,हरे गोविन्द राय,पुरुषोत्तम राय,दिवाकर राय,वैद्य ओ पी महतो,संजय मिश्रा,रामशंकर झा,रामदयाल राय आ […]