Home » Archives by category » Article (Page 141)

व्यक्तित्व परिचय: नाटककार सुशील

व्यक्तित्व परिचय: नाटककार सुशील

साभार: प्रकाश झा, निदेशक, मैलोरंग रेपर्टरी अपने भेलहुँ मैथिली भाषाक सुप्रसिद्ध नाटककार सुशील – निवास स्थल कोलकाता प्रसिद्ध नाटक: भामती फोटो: दिल्ली यात्राक समय प्रकाश झा संग भेंटघाँटक समय लेल गेल अछि प्रकाश झा द्वारा व्यक्तित्व परिचय मे कहल गेल अछि जे “अपने सँ भेंटघांट कय बहुत नीक लागल। अपनेक सहजता आ सदाशयता आकर्षित कय […]

विधानसभा चुनाव २०१५: मतदाता जागरण लेल कि सोचलहुँ?

विधानसभा चुनाव २०१५: मतदाता जागरण लेल कि सोचलहुँ?

मिथिला मतदाता जागरण यात्रा: संस्मरण – प्रवीण नारायण चौधरी (आम निर्वाचन २०१४ पूर्व कैल एक यात्राक वृतान्त) प्लान बनेलहुँ जे माँ जानकी केर शरण (पुनौराधाम) मे लेल संकल्प (२०१४ केर चुनाव तक मिथिलाक जनताकेँ स्वराज्य लेल जागृति अभियान पूरा करबाक) प्रति निष्ठावान बनैत भाजपा पूर्वांचल प्रकोष्ठ (दिल्ली) केर माननीय मंत्री आ मित्र-भाइ श्री अमर नाथ […]

कलियुग कि थीक: सत्य दर्शन

कलियुग कि थीक: सत्य दर्शन

युगक सामान्य समझ नीक समय जे बीत गेल से कहायल सत्ययुग, अंधकारक युग केँ कलियुग कहल जा रहल अछि। मान्यता अनुसार युग केर चर्चा अपना जगह पर अछिये। मान्यता बनैत छैक मानवक अपनहि अनुभूतिक आधार पर। परंपरागत रूप मे दर्शन मुताबिक परिकल्पना सँ सेहो एना विभिन्न युग केर स्मृति बनाओल जा रहलैक अछि। जेना-जेना समय […]

ताजमहल आ अन्य भारतीय विश्व धरोहर

ताजमहल आ अन्य भारतीय विश्व धरोहर

विश्व विरासत स्थल अथवा विश्व धरोहर एहेन ख़ास स्थान, वन क्षेत्र, पर्वत, झील, मरुस्थल, स्मारक, भवन या शहर इत्यादि केँ कहल जाइत छैक, जे ‘विश्व विरासत स्थल समिति’ द्वारा चयनित कैल गेल हो और यैह समिति एहि स्थल केर देखरेख यूनेस्को केर तत्वाधान मे करैत छैक। विश्व केर सांस्कृतिक-ऐतिहासिक स्थल केँ विरासत केर रूप मे संरक्षित रखबाक […]

रमेश बाबु – एक अरबपति नौआ

रमेश बाबु – एक अरबपति नौआ

कहबी छैक जे ब्यापार जँ धारि गेल तऽ मिनटो मे करोड़पति बनि सकैत छी। दूरदृष्टि, ईमानदारी, कड़ा मेहनत – ई सब लक्षण सँ कोनो ब्यापारी सफलताक मुह देखैत अछि। बंगलोर निवासी नौआ रमेश बाबु एकर प्रत्यक्ष उदाहरण अछि। एहेन गलाकट प्रतिस्पर्धाक माहौल मे एकटा साधारण ब्यापार सँ ओ कतेक पैघ उदाहरण ठाढ केलक अछि जे […]

दाम्पत्य जीवन: मैथिली पद्य

दाम्पत्य जीवन: मैथिली पद्य

दाम्पत्य जीवन – शान्तिलक्ष्मी चौधरी, महिषी, सहरसा उठैत अछि अतड़ीसँ रंज परंच सहि जाइत छी सभटा कबकब गप्प गुम्मेसूम संचमंच रहि रहि कबदाबैत कहैत छथि जखन ओ डार्लिंग, माइ लाइफ गारजियस वाइफ स्वीटहर्ट, ब्यूट क्यूट आओर की की नै रहसल शब्द जेना घौंदक घौंद ललकी लहरचुट्टी आकि अप्रत्यक्ष अपशब्द बिन्हैत हौऊ करेजक भीत टाँग, पेट, […]

विज्ञ प्रश्न: चुनाव आ मिथिला

विज्ञ प्रश्न: चुनाव आ मिथिला

आलेख – रमानाथ झा आबयवला बिहार विधानसभा चुनाव मिथिला के राजनीति के लेल कतेक महत्वपूर्ण? जेना पिछला लोकसभा चुनाव और दिल्ली के चुनाव भारतीय राजनीति के लेल एकटा नवीन प्रयोग छल, एकटा नव अध्याय के शुरुआत छल और एक तरह स कही त जनता में जबरदस्त राजनैतिक नवचेतना के संचार बुझना जैत ऐछ तहिना की […]

महिषी मे संपन्न भेल बाल रंग शिविर

महिषी मे संपन्न भेल बाल रंग शिविर

अमित आनन्द, महिषी। जुन ८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! महिषीक एडीपीजे उच्च विद्यालयक प्रांगण मे भारत सरकार अन्तर्गत कार्यरत पूर्वी क्षेत्रीय सांस्कृतिक केन्द्र, कोलकाता तथा महिसी डट ओआरजी केर संयुक्त तत्त्वावधान मे आयोजित ७-दिवसीय ‘ग्रीष्मकालीन बाल रंग शिविर’ कार्यक्रमक समापन सँ लोकमानस मे सांस्कृतिक समृद्धि हेतु वांछित जागृतिक प्रसार संभव भेल। २ जुन सँ प्रारंभ एहि शिविर […]

टाकिंग बिग बट डूईंग नथिंग

टाकिंग बिग बट डूईंग नथिंग

खाली बात केनाय, काज नहि केनाय – बिग टाकर्स! ओझा केँ खाली लंबा-लंबा बात छोड़य वला वाइन भऽ गेल छलनि। बेचारे हरदम देश आ समाजक चिन्ता मे अपना केँ डूबल रखैत छलाह। जखन देखू तखन लोक सब केँ एलबम देखेनाय शुरु करैत छलाह जे, “फल्लाँ समय फल्लाँ समय फल्लाँ महान काज लेल अति महान विचार […]

साहित्यिकी सरिसव पाही केर २५८मा गोष्ठी संपन्न

साहित्यिकी सरिसव पाही केर २५८मा गोष्ठी संपन्न

अमरनाथ झा, महरैल, झंझारपुर। जुन ७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! ग्रामीण क्षेत्र सँ निरंतर साहित्यक सेवा करयवला प्रतिष्ठित गाम सरिसब पाही केर नामी संस्था ‘साहित्यिकी’ आइ अपन २५८मा बैसारक आयोजन कएलक। “साहित्यिकी” संस्था, सरिसब-पाही गत २१ बरख सँ लगातार प्रतिमास बैसार करैत आबि रहल अछि जाहि मे साहित्यिक गतिविधि आ हस्तलिखित फोल्डर पत्रिकाक वितरण सेहो कैल जाइत छैक। एखन […]