Home » Archives by category » News » India (Page 39)

नहि रहला झंझारपुर प्रखंड प्रमुख – युवा नेता शंकर चौधरी
भागिरथ मिश्र, नरुआर, झंझारपुर। मई २, २०१५, मैथिली जिन्दाबाद। झंझारपुर प्रखंड प्रमुख सह नरुआर गाम-पंचायतक समिति सदस्य रहल अत्यन्त लोकप्रिय आ जुझारू युवा नेतृत्वकर्मी शंकर चौधरीक दुखद मृत्यु आइ रात्रि १ बजे दिल्लीक एक अस्पताल मे हेबाक समाचार भेटल अछि। प्रारंभिक कारण हृदय-गति रुकबाक कहल गेल अछि। स्व. चौधरीक उम्र ३० वर्ष करीब छल। योगेन्द्र […]

जानकी नवमी पर कुमारि भोजन
झारखंड मिथिला मंच केर महिला समूह द्वारा काल्हि जानकी नवमीक शुभ अवसर पर कुमारि भोजन कराओल जेबाक समाचार भेटल अछि। झारखंड मिथिला मंच केर फेसबुक पेज द्वारा कुमारि भोजनक फोटोक संग जानकी नवमी पर अपन मिथिलाक मूल संस्कृतिक रक्षार्थ एहेन सान्दर्भिक डेग उठेबाक जानकारी स्रोत द्वारा भेटल अछि। विदित हो जे झारखंड मैथिली मंच सँ […]

पाथर सहित वर्षा सँ पैघ क्षति
“एक राति मे बेघर भेल, जेकर काल्हि धरि घर छल” – आलोक आनन्द, पुर्णियां। मैथिली जिन्दाबाद, २२।०४।२०१५ बितलहबा राति लगभग 10 बजे पूर्णियां शहर मे विनाशकारी आंधी-तूफ़ान आयल। ई चक्रवात समान एतेक भयंकर छल जे समूचा शहरक कच्चा घर (फूस, टीन, खपड़ा आर एस्बेस्टस आदि) केँ पूर्ण तरह बर्बाद कय देलक। तबाहीक दृश्य एहेन भयावह भेल जे शहर मे जगह-जगह […]

परशुराम जयन्ती मनायल गेल
बिपिन मिश्रा, दरभंगा। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २१, २०१५. ब्राह्मण महासभा तथा परशुराम सेवा संस्थान केर संयुक्त तत्त्वावधान मे भव्य परशुराम जयन्ती महोत्सव दरभंगा मे मनायल गेल। वर्तमान समय राजनीतिक वातावरण सँ सृजित परिस्थिति मे परशुरामक नाम पर ब्राह्मण जाति मे एकता बनेबाक लेल एहि तरहक समारोहक महत्त्व बहुत बेसी भऽ गेल अछि, जहिना परशुराम अपना हाथमे […]

Saharsa Sa Khabair
– सुभाषचंद्र झा, सहरसा, मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २०, २०१५. चन्द्रशेखर जयन्ती पर रक्दान परसू यानि १८ अप्रैल, पूर्व प्रधानमंत्री स्व चन्द्रशेखर जीक जन्म जयंती पूर्व विधायक किशोर कुमार मुन्नाक आवास पर आयोजित भेल। वक्ता सब हुनक चित्र पर माल्यार्पण करैत कहलनि जे युवा तुरक नेताक रूप मे सभ दिन आदर्शक राजनीति कयलनि । एहि अवसर […]

Gareeb Swaabhimaan Rally Patna Me Aai
गरीब स्वाभिमान रैली आइ – किसलय कृष्ण, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २०, २०१५. बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जितनराम मांझीक नेतृत्व मे गठित हिन्दुस्तान अवाम मोर्चा द्वारा गरीब स्वाभिमान रैली केर विशाल आयोजन गाँधी मैदान पटना मे आइये कैल जा रहल अछि। आयोजन मे सहरसा सँ प्रसिद्ध मैथिलीसेवी बिमल कान्त झा केर नेतृत्व मे करीब ५००० कार्यकर्ता […]

Mithilak Vikash Lel Delhi Me Dharna
नव दिल्ली, मैथिली जिन्दाबाद, मार्च २०, २०१५. मैथिल यूथ परिषद् द्वारा दिल्लीक जन्तर मन्तर पर मैथिल युवा सब सामूहिक धरना-प्रदर्शन करैत अपन पहिचान केँ संविधान द्वारा स्थापित करबाक माँगक संग वर्तमान गृहराज्य मे आर्थिक उपेक्षा प्रति केन्द्र सरकारक ध्यानाकर्षण लेल ज्ञापन देलक। शिक्षा, स्वास्थ्य, रोजगार आर संस्कृतिक रक्षा – मूलत: यैह चारि माँगक संग केन्द्र तथा […]

मैथिल सदरे आलम गौहर सम्मानित
समाचार स्रोत: मधुबनी समाचार। कवि, कथाकार प्रो. सदरे आलम गौहार केँ हुनक रचना गोनू झाक खिस्सा लेल बिहार उर्दू अकादमी अवार्ड सँ सम्मानित कैल गेल। बिहार प्रदेश अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री नौशाद आलम पटना उर्दू अकादमीक सभागृह मे आयोजित समारोह मे, साहित्यिक संस्था ज्योत्सना मंडल सँ जुडल कवि, कथाकार प्रो. सदरे आलम गौहार केँ हुनक रचना ‘गोनू […]

Dahej Mukt Mithila Madhubani Meeting
संजय मिश्रा, मधुबनी। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल १९, २०१५. आइ दहेज मुक्त मिथिला के मधुबनी मे सफल बइसार भेल, जाही मे निर्णय भेल की मधुबनी मे बहुत जल्द दहेज मुक्त मिथिला के एक जिला स्तरीय टीम बनत, ओइ टीम मे सब जाती सब वर्ग के लोक के जोरइत साथ मे दहेज मुक्त मिथिला के पुरान सदस्य […]

3 Bachchaa Jair Gel
-सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद – मार्च १८, २०१५. महिषीक महिसरहो गाम मे शुक्र दिन एक घर मे आगि लागब सँ तीन बच्चा जरि कऽ मरि गेल। माटिक बर्तन बना – बेचि गुजर करयवला गांगो पंडितक पोता सब एसगरे आंगन मे छल । कहल जाइत अछि जे बिजलीक तार सँ उड़ल चिनगी सँ फूसक घर […]