Home » Archives by category » News » Literacy (Page 25)

मैलोरंग केर प्रतिक्रिया

मैलोरंग केर प्रतिक्रिया

मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित ‘मिथिलाक वर्तमान रंगकर्म विधा: प्रतिद्वंद्विताक स्थान कतय’ पर मैलोरंग – निर्देशक प्रकाश झा व एक अन्य निर्देशक-रंगकर्मी मुकेश झा द्वारा गंभीर आपत्ति जनायल गेल अछि। ओ सब संपादक प्रवीण नारायण चौधरी पर बिना जानकारीक आक्षेप लगेबाक आरोप सेहो लगौलनि। संगहि मिनाप जनकपुर द्वारा आइ धरि मैलोरंग केँ एकहु बेर आमंत्रित नहि करबाक […]

काञ्चीपुर पीठक शंकराचार्य द्वारा मिथिला मे वेद विद्या मन्दिर खोलबाक प्रस्ताव

काञ्चीपुर पीठक शंकराचार्य द्वारा मिथिला मे वेद विद्या मन्दिर खोलबाक प्रस्ताव

‍‍- अमित कुमार चौधरी, महिषीधाम। मई २, २०१५, मैथिली जिन्दाबाद! “मिथिला मे खुजत ‘वेद विद्या मन्दिर’ – पारंपरिक शिक्षाक संग वैदिक शिक्षा देबाक योजना – छात्र आ छात्रा लेल अलग-अलग विद्यालय तथा आवासीय परिसर बनत – चाही करीब १५-२० एकड़ जमीन – जमीनदाताक खोजी – जमीनदाताकेँ ट्रस्टी बनायल जायत – जमीन दानक अभाव मे न्युनतम् दाम […]

पत्नीपूजा – चुन्नू बाबुक कूकी डार्लिंग

पत्नीपूजा – चुन्नू बाबुक कूकी डार्लिंग

चुन्नू बाबुक कूकी डार्लिंग (दहेज लेल आइएएस दूलहाक मार्मिक कथा) आइ चुन्नूजी घरवाली केँ प्रसन्न करबाक लेल भोरे सँ जी-जान एक केने छलाह। सुति-उठि ओ एकदम फिल्मी स्टाइल मे हिन्दी गीत गुनगुनाइत किचन जाय अपनहि सँ चाय बना कप आ प्लेट सहित ट्रे मे दु-चारि ब्रिटानिया मारीगोल्ड केर बिस्किट सहित अपन शयनकक्ष मे प्रवेश करैत […]

मैथिली साहित्य महासभाक प्रथम गोष्ठी संपन्न

मैथिली साहित्य महासभाक प्रथम गोष्ठी संपन्न

दिल्ली मे मैथिली पोथी आ पत्र-पत्रिकाकेर उपलब्धता विषय पर गोष्ठी संपन्न   मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी दरभंगाक मूल निवासी आ वर्तमान दिल्ली मे पत्रकारिता समान उच्च सेवा मे योगदान देनिहार आ संगहि हेल्लो मिथिला ब्लाग केर संचालक हितेन्द्र गुप्ताक नेतृत्व मे आइ मैथिली साहित्य महासभाक एकटा विचार गोष्ठी सफलतापूर्वक संपन्न भेल। एहि गोष्ठी द्वारा दिल्ली मे […]

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

– प्रवीण नारायण चौधरी विराटनगर, मैथिली जिन्दाबाद! अप्रैल १२, २०१५. विराटनगर मे आयोजित एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय कवि सम्मेलन – २०१५ समारोहपूर्वक संपन्न कैल गेल। एहि सम्मेलन मे मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृतिक कवि एवं अभियानी लोकनीक ४ पीढीक प्रत्यक्ष सहभागिता देखल गेल। खुल्ला आमंत्रण मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे भारत ओ नेपाल सँ करीब १३० […]

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला चुगलखोरी करनिहारके कहल जाइत छैक। मिथिलामें मैथिल सभक एक महत्त्वपूर्ण पावैन सामा-चकेवा में चुगला-दहन के गाथा छैक। चलू यैह बहाना हम किछु संस्मरण करी पावैन सामा-चकेवा जे मिथिलामें लोक-पर्व रूप मनयबाक अति प्राचिन परंपरा अछि।  पात्र परिचय: सामा – याने द्वारकाधीश श्री कृ्ष्णकेर बेटी के नाम! प्रकृति-प्रेमसँ आविर्भूत! सदिखन चिड़ै-चुनमुनी, जंगल-पहाड़, नदी-झरना-पोखैर-वन-उपवनमें रमनिहैर !  […]

सर्वभाषा कवि सम्मेलन संपन्न

सर्वभाषा कवि सम्मेलन संपन्न

दिलीप झा, मधुबनी। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५। मधुबनी जिला प्रशासन द्वारा बिहार दिवस पर आयोजित सर्वभाषा कवि सम्मेलन केर आयोजन कैल गेल छल। एहि सम्मेलन मे कुल ४० कवि कविता वाचन कएलनि। एहि मे २६ कविता मैथिली भाषा मे छल। विदित हो जे पूर्व मे प्रशासनक दखल सँ मैथिली केँ मंच तक नहि देल […]

मैथिल प्रवाहिका द्वारा संस्कृति आ भाषायी समन्वय कार्यक्रम

मैथिल प्रवाहिका द्वारा संस्कृति आ भाषायी समन्वय कार्यक्रम

श्यामल सुमन, रायपुर। मैथिली जिन्दाबाद, मार्च २२, २०१५ । मैथिल प्रवाहिका रायपुर – छत्तीसगढ द्वारा राष्ट्रीय संगोष्ठी सह बहुभाषीय कवि सम्मेलन बेबीलोन होटल सभागार मे मनायल गेल। संयोजक श्री मनीष झा, अध्यक्षता डा. अशोक अविचल आ संचालन श्री श्यामल सुमन द्वारा कैल गेल। भारतक विभिन्न संस्कृति आ भाषा बीच समन्वयक उद्देश्य सँ आयोजित उपरोक्त समारोह […]