Home » Archives by category » News » Entertainment (Page 2)

मैथिली ठाकुर पहुँचि गेली ‘राइजिंग स्टार फिनाले’ मे

मैथिली ठाकुर पहुँचि गेली ‘राइजिंग स्टार फिनाले’ मे

अप्रैल १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!  भारत सहित दुनियाक विभिन्न देश मे देखल जा रहल लोकप्रिय टैलेन्ट शो – कलर्स टेलिविजन केर राइजिंग स्टार आब करीब-करीब अन्तिम निर्णायक विन्दु धरि पहुँचय लागल अछि। बीतल शनि ओ रवि दिन सूपर ६ मे व सूपर ५ केर मुकाबला देखबाक लेल भेटल। एहि दुनू दिन गोल्डेन टिकट टू फिनाले […]

मैथिली ठाकुर आजुक मिथिलाक ‘सीता’ केर स्वरूप थिकी

मैथिली ठाकुर आजुक मिथिलाक ‘सीता’ केर स्वरूप थिकी

अभ्यंकर झा, दरभंगा। अप्रैल १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! पुरनका कहावत छै ‘होनहार बिरवान के होत चिकने पात’, बेनीपट्टी प्रखंड के उड़ेन, बनकट्टा निवासी मैथिली ठाकुर पर एकदम सटीक बैठय अछि। बचपन मे जेखन लोग अ, आ और क, ख रटैत रहैत छलै तखन मैथिली सुर’क राग गुनगुनाबैत रहैत छलि। लग-पासक नमहर बुजुर्ग तखन बुच्ची मैथिली […]

अहाँक एक वोट सँ मैथिली ठाकुर स्टार सँ सूपरस्टार बनि जेती, ऐगला वोट १ आ २ अप्रैल केँ

अहाँक एक वोट सँ मैथिली ठाकुर स्टार सँ सूपरस्टार बनि जेती, ऐगला वोट १ आ २ अप्रैल केँ

अभ्यंकर झा, दरभंगा। मार्च ३०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! आब ‘राइजिंग स्टार’ के मुकाबला टॉप-10 स निकैल क फाइनल में जगह बनेबाक लेल होयत, और सुपर-10 स विजय के लेल लड़ती मैथिल दुलारी धिया ‘मैथिली ठाकुर’। सिंगिंग रियालटी शो ‘राइजिंग स्टार’ एक वास्तविक टेलीविजन गायन प्रतियोगिता केर भारतीय संस्करण अछि। कलर्स टीवी पर सप्ताह मे 2 […]

सजन मिथिला के चाही – जानबी झा केर आवाज मे मैथिली गीतक एल्बम

सजन मिथिला के चाही – जानबी झा केर आवाज मे मैथिली गीतक एल्बम

आधुनिक मैथिली गीतक अंदाज : सजन मिथिला केर चाही रजनीश शेखर, नव दिल्ली । मार्च २०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली मंचसँ अपन उद्घोषकीय पारीसँ भारत आ नेपाली मैथिली मंच पर परिचिति बनौनिहारि मैथिल ललना जानबी झा कुशल अभिनेत्री रूपमे लघुफिल्म इतिहास, सम्बन्ध आदिमे उपस्थिति दर्ज क चुकल छथि । गायिका केर रूपमे माँ दुर्गाक भजन […]

मिथिला सहित सम्पूर्ण भारतक नाम रौशन कय रहली अछि मैथिली ठाकुर, पहुँचि गेली अन्तिम १५ मे

मिथिला सहित सम्पूर्ण भारतक नाम रौशन कय रहली अछि मैथिली ठाकुर, पहुँचि गेली अन्तिम १५ मे

मार्च १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! एक दिशि उत्तरप्रदेश सहित भारतक आन ५ राज्य मे चुनावी दंगल त दोसर दिशि कलर्स टेलिविजन पर चलि रहल नया टैलेन्ट शो ‘द राइजिंग स्टार’ मे ‘लाइव पर्फोर्मेन्स आ लाइव वोटिंग’ सँ चयन कएल जा रहल विजेता, हुनका लोकनिक प्रतिभा जे समूचा संसार केँ मंत्रमुग्ध कय रहल अछि – एहि […]

शोक आ पीड़ाक माहौल मे गैर-आवासीय मधेशी संघक पूर्व निर्धारित होली उत्सव दुबई मे संपन्न

शोक आ पीड़ाक माहौल मे गैर-आवासीय मधेशी संघक पूर्व निर्धारित होली उत्सव दुबई मे संपन्न

दुबई, मार्च ११, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! दुबई स्थित एनआरएमए (नन रेजिडेन्ट मधेशी एसोशियेशन) द्वारा काल्हि शुक्र दिन १० मार्च पूर्व निर्धारित आ नेपाल सँ विभिन्न आमंत्रित मैथिली गायक व कलाकार सब संग होली उत्सव संपन्न कएल गेल अछि। आयोजक समिति सदस्य एवम् उद्घोषक भोगेन्द्र राज साह ‘विराज’ मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि जे सप्तरी मे […]

मैथिली लघु फिल्म ‘इतिहास’ केर प्रदर्शन शीघ्रः निर्माता मुन्ना चमन आ निर्देशक किसलय कृष्ण

मैथिली लघु फिल्म ‘इतिहास’ केर प्रदर्शन शीघ्रः निर्माता मुन्ना चमन आ निर्देशक किसलय कृष्ण

विराटनगर, फरबरी २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि २५ फरबरी शनि दिन मैथिली लघु फिल्म केर निर्माता मुन्ना चमन एवं निर्देशक किसलय कृष्ण अपन एक-दिवसीय दौरा पर विराटनगर आयल छलाह। निर्माता व निर्देशक संग लगभग डेढ घंटाक फेसबुक लाइव शो मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी कएने छलाह जेकरा लगभग २ हजार दर्शक तत्क्षण देखि […]

नामी कलाकार अभिनीत मैथिली सिनेमा कतेक कारगर?

नामी कलाकार अभिनीत मैथिली सिनेमा कतेक कारगर?

सगुन मैथिल, मुम्बई। फरवरी २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली सिनेमाक इतिहास मे आइ धरि जे कियो सिनेमा बनेलक ओ दोबारा फेर सँ बनेबाक हिम्मत नहि कय सकल, कारण जे प्रोड्यूसरकेँ अपन लगानी सँ बनायल गेल सिनेमा कोनो कमाई करबाक त बाते दूर लागत रकम तक सेहो नहि निकलबाक शिकायत आम बात होएत छैक। एकर बहुते रास कारण सब […]

जीविकोपार्जन लेल कलाक एक अद्भुत स्वरूपः बहुरूपिया एखन खजौलीमे

जीविकोपार्जन लेल कलाक एक अद्भुत स्वरूपः बहुरूपिया एखन खजौलीमे

रविन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मनुष्य लेल जीविकोपार्जनक अनेको बाट होएत छैक। जे मेहनत कय केँ अपन आ परिवार केर पेट भरबाक लेल उपार्जन करैत अछि वैह स्वाभिमान, आत्मसम्मान आर समाजक बीच मे अपन इज्जत-प्रतिष्ठा बना पबैत अछि। एहने जीविकोपार्जनक एकटा अत्यन्त महत्वपूर्ण बाट थिकैक कला प्रदर्शन कय केँ मेहनताना कमेनाय। […]

लोरिक गाथा पर मैथिली लघु फिल्म ‘इतिहास’क सूटिंग पूरा

लोरिक गाथा पर मैथिली लघु फिल्म ‘इतिहास’क सूटिंग पूरा

हरदी, सुपौल। जनवरी १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक प्रसिद्ध लोकदेवता ‘लोरिक’ केर जीवनगाथा पर आधारित मैथिली लघु फिल्म केर सूटिंग पूरा कैल जेबाक जानकारी निर्देशक किसलय कृष्ण करौलनि अछि। दिन-राति एक कय केँ एकरा ऊपर लगातार काज करैत सूटिंग पूरा करबाक जनतब दैत किसलय कृष्ण कहलैन जे मिथिलाक प्रसिद्धि केँ फिल्मांकन करबाक अवसर पाबि जीवन […]