Home » Archives by category » News » Entertainment (Page 13)

संगमरमरी काया आ उत्कृष्ट अभिनय केर मलिका: कावेरी झा

संगमरमरी काया आ उत्कृष्ट अभिनय केर मलिका: कावेरी झा

किसलय कृष्ण, सहरसा। मई ७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद! मूलत: दरभंगा जिलाक रहनिहारि कावेरी केर मामागाम सहरसा छन्हि। दिल्ली मे प्रारंभिक आ उच्च शिक्षा प्राप्त केला उपरान्त कावेरी मोडेलिंग केँ अपन कैरियर चुनलनि। पुन: दक्षिण भारतीय सिनेमा (तेलगु) मे ब्रेक लेलाक बाद अपन अभिनय आ सुन्दरताइ सँ जल्दिये टप स्टार एक्ट्रेस केर रूप मे प्रसिद्धि प्राप्त […]

मैथिल कन्या ‘कोमल झा’: कला तथा फिल्म क्षेत्र मे प्रसिद्ध

मैथिल कन्या ‘कोमल झा’: कला तथा फिल्म क्षेत्र मे प्रसिद्ध

नाम: कोमल झा जन्मदिन: मार्च १५, १९८७ ई. मूल स्थान: राँची, झारखण्ड वर्तमान: मुंबई, महाराष्ट्र विशेषता: Engineer, फिल्म अभिनेत्री शिक्षा: डीएवी, श्यामली, राँची तथा एम एस रमैया इन्स्टीच्युट अफ टेक्नोलाजी ईमेल: komal.jha.961@facebook.com Followers on Facebook: Above 200,000 Page Likes: Above 1,600,000   कोमल झा नाम अनुरूप कोमल आ भावुकता सँ भरल मृदुल आ सुन्दरी मे […]

साक्षात्कार: मैथिली फिल्म हाफ मर्डर केर निर्माता एवं निर्देशक ‘रमानाथ झा’ संग

साक्षात्कार: मैथिली फिल्म हाफ मर्डर केर निर्माता एवं निर्देशक ‘रमानाथ झा’ संग

मैथिली फिल्म क्रमश: अपन विकासक मार्ग पर अग्रसर होमय लागल अछि। एहेन बहुत कम देखल गेल अछि जे कोनो नीक बजट केर लगानी सँ मैथिली सिनेमाक निर्माण भेल हो – तथापि समय-समय पर किछु सपुत मे अपन मातृभाषा ओ संस्कृतिकेँ फिल्मक माध्यम सँ उच्चस्तर तक पहुँचेबाक जोश आ हिम्मत अबैत रहल अछि। एहि क्रम मे […]

मैथिल कन्याक हिन्दी फिल्म, फैशन तथा मिडिया मे दखल

मैथिल कन्याक हिन्दी फिल्म, फैशन तथा मिडिया मे दखल

आधुनिक समय मे हिन्दी फिल्म व धारावाहिक मे मैथिल कन्याकेँ खूब बढि-चढिकय स्थान भेटय लागल अछि। हालक किछु वर्ष मे टेलिविजनक स्टार सृति झा अपन अभियन व कला सँ देश मे करोड़ों प्रशंसक बनेबे केली, एहि वर्षक टेलिविजन दुनियाक कलाकार मे सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक खिताब सेहो हुनके देबाक समाचार अछि। सृतिक अतिरिक्त आरो बहुत रास अभिनेत्री […]

मिथिलाक महिला आ आधुनिक फैशन

मिथिलाक महिला आ आधुनिक फैशन

मिथिलाक महिला आ आधुनिकता मैथिलानीक दर्शन एक सम्भ्रान्त देवीक दर्शन समान बुझैछ। स्मृतिमे आनि दैछ ब्रह्माण्डीय सत्य – सीता सँ श्रेष्ठ दोसर कियो नहि! हरेक दृष्टिकोणसँ आ साक्षात् ब्रह्माजीकेर दरबारमे लेल गेल निर्णयक आधार पर “सीता समान दोसर कियो नहि”, चाहे सरस्वती, चाहे लक्ष्मी, चाहे दुर्गा, चाहे काली, चाहे अनेकानेक ऋषिकन्या, देवकन्या, स्वर्गपरी, वा कियो […]

राष्ट्रीय नाटक महोत्सव २०७२ (नेपाल) मे मैथिली नाटक मंचन

राष्ट्रीय नाटक महोत्सव २०७२ (नेपाल) मे मैथिली नाटक मंचन

काठमांडु, २१ अप्रैल, २०७२. मैथिली जिन्दाबाद – रिपोर्ट राष्ट्रीय नाटक महोत्सव, काठमांडु मे काल्हि दुइटा मैथिली नाटक केर मंचन कैल गेल। मिथिला नाट्यकला परिषद्, जनकपुर तथा गुरुकुल (आरोहण), विराटनगर द्वारा अन्तिम रूप सँ चुनल गेल मंचन योग्य कुल ७ नाटक मध्य २ नाटक मैथिली केर समावेश कैल गेल छल जे कार्यक्रमक अन्तिम दौर मे प्रस्तुत […]

मिशन मिथिला: निर्माणाधीन मैथिली फिल्म

मिशन मिथिला: निर्माणाधीन मैथिली फिल्म

नवीन वी मिश्रा द्वारा निर्माण आ निर्देशन मे बनि रहल नव फिल्म मिशन मिथिला मे सामाजिक कूरीति आ हेराइत – भोथलाइत संस्कृति पर कथा-पटकथा लिखल जेबाक जानकारी भेटल अछि। हालहि संपन्न दहेज मुक्त मिथिलाक मुंबई महोत्सव मे एकटा डक्युमेन्ट्री फिल्मक योगदान दैत नवीन अपन प्रतिबद्धता प्रकट केने छलाह। एहि फिल्मक तैयारी जोर पर अछि। दहेज […]

मैथिली फिल्म समीक्षा: मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड

मैथिली फिल्म समीक्षा: मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड

मैथिली फिल्म क्षेत्र मे एक आरो सुखद यात्रा किसलय कृष्ण, सहरसा, मैथिली जिन्दाबाद – १७ मार्च, २०१५. विगत किछु साल सँ मैथिली सिनेमा निर्माण मे तेजी अवश्य आयल अछि मुदा बेसी काज लौल मे भेल जेना प्रतीत होइत अछि। विभिन्न कमी-कमजोरीक कारण मैथिली फिल्ममे लगानी एकटा निराशाजनक वातावरण बनबैत अछि, कारण एहन फिल्म जाहि मे […]

सौतिन केर प्रदर्शन २७ सँ

सौतिन केर प्रदर्शन २७ सँ

किसलय कृष्ण, मिथिला। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५ । मैथिली फिल्म हमर सौतिनक प्रदर्शन एक संग २५ सिनेमाघरमे भ रहल अछि । आगामी २७ मार्चकें मिथिलाक विभिन्न जिलामे प्रदर्शित हुअ जा रहल एहि फिल्मक प्रचार प्रसार युद्धस्तर पर भ रहल अछि । सन्तोष झा निर्मित उक्त फिल्मक संगीतकार पवन नारायण जानकारी दैत कहलनि जे फिल्मक […]