Home » Archives by category » News » Entertainment

विराटनगर मे ६-८ मार्च केँ नेपालक पहिल अन्तर्राष्ट्रीय महिला रंग महोत्सवक आयोजन

विराटनगर मे ६-८ मार्च केँ नेपालक पहिल अन्तर्राष्ट्रीय महिला रंग महोत्सवक आयोजन

विराटनगर, फरबरी ९, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि ८ फरबरी वृहस्पति दिन आरोहण गुरुकुल विराटनगरक अध्यक्ष भैरव क्षेत्रीक अध्यक्षता एवं नेपालक नवनिर्वाचित राष्ट्रीय सभा सदस्य खेमराज नेपालीक प्रमुख आतिथ्य मे सम्पन्न एक आम बैसार द्वारा ई निर्णय लेल गेल जे आगामी ६-८ मार्च – त्रिदिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय महिल रंग महोत्सवक आयोजन कयल जायत। बैसार मे सहभागी आयोजक […]

सलहेशः द पिपुल्स हिरो फिल्म लेल कलाकारक चुनाव सिर्फ अडिसन मार्फत

सलहेशः द पिपुल्स हिरो फिल्म लेल कलाकारक चुनाव सिर्फ अडिसन मार्फत

काठमांडू, नेपाल। ८ फरबरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! लोकनायक राजा सलहेश केर जीवन पर आधारित फिल्म ‘सलहेशः द पिपुल्स हिरो’ केर निर्माण सँ पहिने कलाकार लोकनिक चुनाव अडिसन मार्फत कयल जेबाक जनतब निर्माता राजकुमार महतो देलनि अछि। एहि सन्दर्भ मे पठायल गेल प्रेस विज्ञप्ति मुताबिक ई समाचार भेटल अछि। समाचार कुल चारि (४) भाषा मे राखि […]

नवकी कनियाँक नवका बात

नवकी कनियाँक नवका बात

गीतः – प्रवीण नारायण चौधरी   एक घर के कथा यौ भैया – लड़ैत दुइ दियादिनीक बात नहि विस्मय जे घर-घरके – टटका एहने हाल!! बड़की बुझाबथि छोटकी दियादिनी, पर्दा प्रथा आ लाज छोटकी मचैककय देथि जबाब जे, ई नहि लागत पार!!   आर छोटकी केना सम्हरल जबाब देली से सुनियौ…   साड़ी भारी नहि […]

नेपाली भाषाक चर्चित फिल्म राज्जा रानी मैथिली भाषा मे सेहो प्रदर्शित कयल जायत

नेपाली भाषाक चर्चित फिल्म राज्जा रानी मैथिली भाषा मे सेहो प्रदर्शित कयल जायत

राज कुमार महतो, काठमांडु। नवम्बर २९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! दहेज प्रथाक पीड़ा देखबैत बनायल गेल एक नेपाली भाषाक फिल्म ‘राज्जा रानी’ आब मैथिली भाषा मे सेहो उपलब्ध होयत। २० लाखक सम्झौता मे नेपाल, भारत सहित अन्य विदेशी मुलुक सब मे सेहो प्रदर्शन होयत आगामी पुष २१ गते केँ। प्रोमो तथा गीतक कारण चर्चा मे रहल एहि फिल्मक प्रतीक्षा बहुतो दर्शक […]

सरोज मंडल कृत् दोसर मैथिली एल्बम ‘परदेश’ केर तैयारी पूरा – राजविराज मे जल्दिये होयत लांचिंग

सरोज मंडल कृत् दोसर मैथिली एल्बम ‘परदेश’ केर तैयारी पूरा – राजविराज मे जल्दिये होयत लांचिंग

विराटनगर, अक्टूबर १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली गीत-संगीत आब गाम-टोल आ ग्रामीण समाज सँ बाहर वीडियो एल्बम् – डीजे ट्रैक आ सिडी युग मे प्रवेश पाबि गेल अछि। कतेको रास मैथिली गीतक सिडी बाजार मे आ यूट्युब चैनल आदि पर तहलका मचा रहल अछि। एहि क्रम मे नेपालीय मिथिलाक सप्तरी जिला निवासी सरोज मंडल द्वारा […]

मैथिली फिल्म केँ भेटत नवका ऊँचाईः प्रेमक बसात केर सूटिंग मिथिला मे पूरा

मैथिली फिल्म केँ भेटत नवका ऊँचाईः प्रेमक बसात केर सूटिंग मिथिला मे पूरा

मधुबनी, अक्टूबर १६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली फिल्मक ‘अच्छे दिन’ आबि रहल अछिः कुणाल ठाकुर (निर्माता) निर्माता वेदान्त झा एवम् कुणाल ठाकुर द्वारा मैथिली फिल्म केँ नव ऊँचाई धरि पहुँचेबाक अत्यन्त महत्वपूर्ण कार्य कयल जा रहल अछि। मैथिली फिल्म विशेषज्ञक दृष्टि मे व्यवसायिकताक कमी बड पैघ कमजोरी रहल अछि मैथिली फिल्मक, लेकिन ताहि बात केँ […]

कि रंगकर्म जीविकोपार्जन लेल नीक विकल्प अछिः विशिष्ट रंगकर्मी लोकनिक उत्तर पढू

कि रंगकर्म जीविकोपार्जन लेल नीक विकल्प अछिः विशिष्ट रंगकर्मी लोकनिक उत्तर पढू

सितम्बर १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! चूँकि मिथिला एक पूर्ण सभ्यताक परिचायक रहल अछि, एतय साहित्यक संग कलाकर्म, चित्रकर्म, रंगकर्म व हरेक विधाक साधना पूर्वकाल सँ होएत आबि रहल अछि। जीविकोपार्जन लेल कृषि पर निर्भरता सँ आइ मिथिला क्षेत्रक लोक दुनियाक अन्य भाग संग डेग मे डेग मिलबैत बढबाक यत्न कय रहल अछि। राज्य केर उपेक्षाक कारण […]

नीलम कला केन्द्र सम्मान सात जन केँ, नाटक अगुरवान आ पारंपरिक नाच केर भेल प्रस्तुति

नीलम कला केन्द्र सम्मान सात जन केँ, नाटक अगुरवान आ पारंपरिक नाच केर भेल प्रस्तुति

नई दिल्ली, सितम्बर २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! ३० अगस्त दिल्लीक मंडी हाउस स्थित श्रीराम सेन्टर मे नीलम कला केन्द्र सम्मान सँ ७ जन केँ सम्मानित कएल गेल अछि। दूरदर्शन बिहार केर निदेशक एवम् वरिष्ठ मैथिली कलाप्रेमी – मिथिला संस्कृति केर संरक्षण-संवर्धन लेल दूरदर्शन मार्फत अनेकानेक कार्यक्रमक प्रदर्शन केर प्रशंसा करैत श्री पी. एन. सिंह केँ […]

विराटनगरक आरोहण-गुरुकुल मे १५ दिन प्रदर्शन होमयवला नाटक ‘लखन पटवारी’ काल्हि सँ शुरू

विराटनगरक आरोहण-गुरुकुल मे १५ दिन प्रदर्शन होमयवला नाटक ‘लखन पटवारी’ काल्हि सँ शुरू

विराटनगर, १७ जुलाई २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! आरोहण-गुरुकुल नाटक घर – विराटनगर मे काल्हि सँ स्थानीय रंगकर्मी समूह द्वारा नाटक ‘लखन पटवारी’ केर भव्य प्रदर्शन आरम्भ भेल अछि। ई शो नित्य ५ बजे संध्या सँ देखायल जेबाक जनतब रंगकर्म समूहक दिग्दर्शक खेम नेपाली काल्हि पहिल शो केर उद्घाटन मार्फत जनतब देलनि। आरोहण-गुरुकुल केर अध्यक्ष भैरव क्षेत्री […]

मिथिला ब्रान्ड एम्बैसेडर मैथिली ठाकुर केर अपील

मिथिला ब्रान्ड एम्बैसेडर मैथिली ठाकुर केर अपील

अपील समस्त मिथिलावासी केँ हमर प्रणाम! अपने लोकनिक निरन्तर समर्थन संग हमर कला ओ गायन केर सम्वर्धन-प्रवर्धन लेल हम मैथिली ठाकुर आभार प्रकट करैत धन्यवाद ज्ञापन करैत छी। बहुतो ठाम सँ कार्यक्रम लेल समाद भेटैत रहैत अछि। मुदा कार्यक्रम मे उपस्थिति आ प्रस्तुति लेल आवश्यक औपचारिकताक बात एक नव उभरैत कलाकार केर रूप मे अपन लोक‍-समाज सँ […]

Page 1 of 9123Next ›Last »