Home » Archives by category » News » Politics (Page 3)

मिथिला लेल राष्ट्रीय राजनीतिक दल केँ सेहो त्यागि देबः विमलजी

मिथिला लेल राष्ट्रीय राजनीतिक दल केँ सेहो त्यागि देबः विमलजी

सहरसा, नवम्बर ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! महानगरक जीवनशैली आ चकाचौंध केँ त्यागि अपन मातृभूमि मिथिला केँ आबाद करबाक संकल्प सँ उच्च सरकारी पदाधिकारीक पद समेत त्यागि राजनीति केर नव पारी शुरु कएनिहार मैथिल सपुत विमलकान्त झा विमलजी मिथिला राज्य निर्माण सेनाक आगामी राष्ट्रीय अधिवेशन केँ पूर्ण समर्थन देबाक घोषणा कएलनि अछि। मैथिली जिन्दाबाद सँ बात […]

मिथिला राज्य निर्माणार्थ सघन जनसम्पर्क अभियानः मिरानिसे

मिथिला राज्य निर्माणार्थ सघन जनसम्पर्क अभियानः मिरानिसे

दरभंगा, अक्टूबर २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! पहिल बेर दरभंगाक हर प्रखंड स्तर पर जनसम्पर्क मार्फत जन-जन मे अपन स्वराज्य मिथिला राज्य केर संघर्ष केँ तीव्रता प्रदान करबाक लेल सघन अभियान चलायल गेल अछि। सोसल मीडिया या देशक राजधानी आ महानगर मे मैथिल जनमानसक बीच ई मुद्दा खूब चलैत अछि, मुदा धरातल पर रहनिहार केँ एहि […]

मिथिला राज्य लेल जन्तर-मन्तर पर हल्लाबोल भेल

मिथिला राज्य लेल जन्तर-मन्तर पर हल्लाबोल भेल

दिल्ली, सितम्बर २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला राज्य वास्ते हल्लाबोल कार्यक्रम शानदार, सफल आ जानदार – रोहित यादव, युवा नेता, अखिल भारतीय मिथिला पार्टी 25 सितम्बर 2016 क् श्री बीरबल यादव केर नेतृत्व मे आयोजित मिथिला राज्य हल्लाबोल रैली सफल, शानदार ओ जानदार रहल। मंच केर अध्यक्षता वरिष्ठ मिथिलाराज्य आंदोलनी मनोज झा केलैन्ह, मंच संचालन केर […]

अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा जन्तर-मन्तर पर हल्ला बोल रैली

अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा जन्तर-मन्तर पर हल्ला बोल रैली

नई दिल्ली, सितम्बर २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! आइ दिल्लीक जंतर मंतर पर अलग मिथिला राज्य लेल ‘हल्ला बोल रैली’क आयोजन भ रहल अछि। जाहि के नेतृत्व अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक नेता विनोद कु यादव “बीरबल” कय रहल छथि। रैली केँ सफल बनेबाक लेल बीरबल लगातार एक महीना सँ दिल्लीक कोणे-कोण जनसम्पर्क कएलनि। खासकय ओहि आम […]

नेपालक प्रधानमंत्री प्रचंड चारि दिनक औपचारिक भारत यात्रा पर

नेपालक प्रधानमंत्री प्रचंड चारि दिनक औपचारिक भारत यात्रा पर

काठमान्डु, १५ सितम्बर, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! हालहि नवनिर्वाचित नेपालक प्रधानमंत्री पुष्प कमल दाहाल प्रचंड केर आइ सँ चारि दिनक भारत भ्रमण आरम्भ भेल अछि। आइ भिनसरे ११ः३० बजेक आरएनए २०५ एयरक्राफ्ट मे १२५ जनक नेपाली प्रतिनिधि टोलीक संग प्रधानमंत्री काठमान्डुक त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थल सँ भारतक राजधानी दिल्ली दिस प्रस्थान केलनि अछि। नेपाली प्रधानमंत्री प्रचण्ड भारतीय […]

बाढि सँ नोकसानी पर नीतीश-मोदी भेंटः तरे-तरे किछु आरो खिचड़ी पाकल

बाढि सँ नोकसानी पर नीतीश-मोदी भेंटः तरे-तरे किछु आरो खिचड़ी पाकल

दिल्ली, अगस्त ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! पैछला सप्ताह बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दिल्ली पहुँचिकय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी संग भेंटघांट करैत बाढि सँ भेल नोकसानी पर विस्तृत जानकारी करौलनि। एहि नोकसान केर भरपाई करबाक लेल केन्द्र सँ अतिरिक्त सहयोग हेतु निवेदन कएलनि। प्रधानमंत्री मोदी द्वारा सहयोगक वचन सेहो देल गेल। जनसत्ताक खबैर मुताबिक नीतीश कुमार प्रधानमंत्री नरेंद्र […]

सम्पर्क-समन्वय सँ संगठन आ संगठन सँ राज्यः लक्ष्मी ना. मेहता

सम्पर्क-समन्वय सँ संगठन आ संगठन सँ राज्यः लक्ष्मी ना. मेहता

फारबिसगंज, अगस्त २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा विभिन्न जिला मे संचालित सम्पर्क अभियान सुरसंड (सीतामढी) सँ होएत मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, बेगुसराय, दरभंगा, मधुबनी, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, फारबिसगंज, अररिया, पुर्णिया ओ कटिहार धरिक यात्रा पैछला ६ अगस्त सँ २८ अगस्त धरि मे निरंतरता मे राखि सकल अछि – ई जानकारी सम्पर्क अभियानक नायक […]

समस्तीपुर सँ हस्ताक्षर अभियान होयत शुरुः अभामिपा

समस्तीपुर सँ हस्ताक्षर अभियान होयत शुरुः अभामिपा

बिभास चौधरी, मुम्बई। अगस्त २६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला युवा परिषद केर तरफ सँ रोहित यादव आम अपील करैत कहलैन अछि जे आमजन लेल काएल जा रहल कुनो प्रयास तखने सफल होइत छैक जखन प्रयास केनिहारक संग आमजन सेहो देथिन्ह। “अखिल भारतीय मिथिला पार्टी” एकटा मिथिलावादी राजनितिक दल अछि जेकरा उप्पर “जन-जागरण के संग संग जन-कल्याण” […]

आदर्श मिथिला पार्टीक नवनियुक्त प्रदेश संयोजक आशीष मिश्र

आदर्श मिथिला पार्टीक नवनियुक्त प्रदेश संयोजक आशीष मिश्र

सिमरिया, अगस्त २३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! आशीष कुमार मिश्र के आदर्श मिथिला पार्टी के प्रदेश संयोजक नियुक्त केल गेल! दिनांक 20/08/2016 कऽ सिमरिया घाट पर श्री चिदात्मन जी महाराज के सान्निध्य मे आदर्श मिथिला पार्टी के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री सुधीर नाथ मिश्र केर अध्यक्षता मे आदर्श मिथिला पार्टी द्वारा एक महत्वपूर्ण बैसार आयोजित छल। एहि […]

मिथिला राज्यक वास्ते कानपुरक मैथिल द्वारा नीतीशकेँ ज्ञापन

मिथिला राज्यक वास्ते कानपुरक मैथिल द्वारा नीतीशकेँ ज्ञापन

कानपुर, अगस्त ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलांचल महासभा उत्तर प्रदेश, कानपुर केर प्रवक्ता तथा मिथिला राज्य निर्माण सेनाक वरिष्ठ सल्लाहकार श्री अनिल झा बिहार केर मुख्यमंत्री तथा जदयू नेता नीतीश कुमार केँ मिथिला राज्यक मांग सम्बन्धी एकटा ज्ञापन सौंपलनि। बकौल झा परसु दिनांक ६ अगस्त केँ बिहारक मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमार जी कानपुर आयल रहैथ। हुनका मिथिलांचल […]