Home » Archives by category » News » Politics (Page 10)

राष्ट्रीयता, शान्ति, स्थायित्व आर विकास लेल एकजुट बनू: चारि प्रमुख दल केर अपील

राष्ट्रीयता, शान्ति, स्थायित्व आर विकास लेल एकजुट बनू: चारि प्रमुख दल केर अपील

विशेष रिपोर्ट – प्रवीण नारायण चौधरी (नेपालक समसामयिक अवस्था आ मिथिलाक स्थान पर केन्द्रित) नेपाल मे दोसर संविधान सभा द्वारा पहिने पूर्ण प्रस्तावना, ताहि पर फेर जनताक राय आ पुन: मस्यौदा मे सुधार करैत दोसर प्रस्तावनाक प्रस्तुति मे विभिन्न सुझाव केँ स्थान दैत, नागरिकता सम्बन्धी समस्याक संबोधन, प्रदेशक सीमांकन केर खाका प्रस्तुति, राष्ट्रक प्रमुख केर […]

मिथिला राज्य आ प्रवीणक यात्रा: संस्मरण

मिथिला राज्य आ प्रवीणक यात्रा: संस्मरण

संस्मरण आलेख – प्रवीण नारायण चौधरी हाल मिथिला राज्य निर्माणक माँग पर सक्रियता सामाजिक संजाल पर फुरसतिया लोक मे बढब चुनावक कारण स्वाभाविके लागल। आर किछु करी नहि करी, एकजुटताक नारा लगाकय अपन दायित्व पूरा भेल बुझनिहार लेल मिथिला प्रेम एहि घड़ी किछु बेसिये देखाय लागल अछि। काजक घड़ी निपत्ता हैब, बाजक घड़ी मे आगुए […]

मधेश (भूमि) नेपालक आ मधेशी (मधेश मे बसनिहार) कि ईन्डियन? – प्रश्न मातृका यादवक

मधेश (भूमि) नेपालक आ मधेशी (मधेश मे बसनिहार) कि ईन्डियन? – प्रश्न मातृका यादवक

समाचार स्रोत: अनलाइन खबड़ ७ सावन, काठमांडु । नेकपा (माओवादी)क संयोजक मातृका यादव राष्ट्रियताक नाम मे मधेश तथा मधेशी जनता केँ देखबाक दृष्टिकोणे गलत हेबाक टिप्पणी केलनि अछि । गोर्खाली राष्ट्रियताक वर्चस्व हेबाक चलते नेपाली कम्युनिष्ट आन्दोलन पाछाँ पड़ि जेबाक बात सेहो ओ कहलनि । ऋषी कट्टेल नेतृत्वक नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी द्वारा वृहस्पति दिन ३३मा पुष्पलाल स्मृति दिवसक अवसर मे आयोजना […]

धरि प्रश्न ई उठैए – भेटतय तऽ कोना भेटतय! झा’जी केँ राज चाही! मिश्रो केँ राज चाही!!

धरि प्रश्न ई उठैए – भेटतय तऽ कोना भेटतय! झा’जी केँ राज चाही! मिश्रो केँ राज चाही!!

विचार-विमर्श – अमर नाथ झा, राष्ट्रीय उपाध्यक्ष, मिथिला राज्य निर्माण सेना अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति दरभंगा-दिल्ली द्वारा आई 21 जुलाई 2015 क’ जंतर मंतर पर धरना आयोजित कयल गेल। विदित हो कि ई धरना पिछला कइएक दशक स’ लगातार आ अनवरत संसदक प्रत्येक सत्रक पहिल दिन राखल जाइत रहल अछि। संभवतः ई पहिल संस्था अछि […]

विधानसभा चुनाव लेल अभामिपा केर २१ उम्मीदवारक सूची जारी

विधानसभा चुनाव लेल अभामिपा केर २१ उम्मीदवारक सूची जारी

दरभंगा, जुलाई ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! अखिल भारतीय मिथिला पार्टी एहि बेर जोर-शोर सँ विधानसभा चुनावक तैयारी मे लागि गेल अछि। अभामिपा केर राष्ट्रीय महासचिव रत्नेश्वर झा केर अध्यक्षता मे दरभंगा मे एखनहि संपन्न एक बैठक द्वारा कुल २१ उम्मीदवारक नामकेर घोषणा कैल गेल अछि। “जे मिथिलाक बात करत वैह मिथिला पर राज करत” – […]

एखनहु बड दूर अछि भारत मे आदर्श प्रजातंत्र

एखनहु बड दूर अछि भारत मे आदर्श प्रजातंत्र

सन्दर्भ : भारतीय प्रजातंत्र केर चुनावी महायज्ञ  – शरद सिंगी   भारत केर प्रजातंत्र संख्याक दृष्टि सँ विश्वक सबसँ पैघ प्रजातंत्र अछि मुदा भारतीय प्रजातंत्र केँ विश्व मे दोषपूर्ण प्रजातंत्र मानल जाइत अछि। इंग्लैंड और स्विट्ज़रलैंड केर संस्था आदि द्वारा बनायल गेल सर्वोत्तम सँ निकृष्टतम प्रजातांत्रिक देशक सूची मे भारतक स्थान लगभग मध्य मे पड़ैत अछि। आस-पासक […]

अखिल भारतीय मिथिला पार्टी लड़त १२९ विधानसभा मे

अखिल भारतीय मिथिला पार्टी लड़त १२९ विधानसभा मे

सहरसा । रजनीश शेखर। मैथिली जिन्दाबाद, जुन २१, २०१५. सहरसाक होटल कोशी निवासमे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर प्रेस वार्ता आयोजित कयल गेल। एहि अवसर पर पार्टी संयोजक रत्नेश्वर झा कहलनि जे हम सब मिथिलाक कुल १२९ विधान सभा क्षेत्र मे चुनाव लड़ब। निर्मल मिश्र केँ कोशी प्रमंडलक संयोजक आ सुभाष चन्द्र झा केँ प्रदेश […]

लालु यादवक ६८म जन्मदिन पर खास बात…..

लालु यादवक ६८म जन्मदिन पर खास बात…..

११ जुन – २०१५, पटना मे लालु जी पत्नी राबड़ी तथा सैर गिरिजा केर सहयोग सँ अपन उमेर बरोबरि यानि ६८ किलोक केक जेकर रंग हुनकर चहेता हरियर छल तेकरा काटिकय मनौलनि। समाजवादी चेहरा – धर्मनिरपेक्षताक प्रखर ओकालति – गरीबक मसीहा – आवाजहीन केर आवाज: एक लालु आ कतेको रास चेहरा! विद्यार्थी जीवन सँ राजनीति […]

चुनावी मचान पर मिथिला – भाग २

चुनावी मचान पर मिथिला – भाग २

किसलय कृष्ण, समाचार संपादक नंगटे नहाबी त लाज कथी केर सहरसा, जुन १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद। साँझुक समय वीर कुमर सिंह चौक पर बैसल छी। गरमागरम चाह, भांग लेल प्रसिद्ध ई चौक साँझक बाद ह्विस्कीक हिचकी पर जतेक हिलकोर लैत हो, मुदा एतय दिनक आनन्दे किछु आओर छैक । कारण चौक सँ सटले प्रमण्डलक सभसँ […]

नेपाल मे संविधान: संघीयता सहित ८ प्रदेश लेल प्रमुख ४ राजनीतिक शक्ति सहमत

नेपाल मे संविधान: संघीयता सहित ८ प्रदेश लेल प्रमुख ४ राजनीतिक शक्ति सहमत

काठमांडु, जेठ २६, २०७२! नेपाल मे संविधानविहीनता सँ ऊबार पेबाक लेल विगत कतेको वर्ष सँ जारी गतिरोध बीच विवादित विषयमे प्रमुख चारि दल १६ बुँदा सहमति केलक अछि। काल्हि दिन भरि चलल बैसार मे हरेक विषय पर गंभीर विचार-विमर्श करैत देर राति धरि मोटामोटी सब विषय पर सहमति द्वारा रणनीति अन्तिम रूप पेलक। सहमतिपत्रमे प्रधानमन्त्री एवं […]