Home » Archives by category » News (Page 3)

अभिनीत शांडिल्य द्वारा दहेज मुक्त विवाहक संकल्प कयल गेल पूरा

अभिनीत शांडिल्य द्वारा दहेज मुक्त विवाहक संकल्प कयल गेल पूरा

बधाई सन्देश – यशगान संवाद दहेज मुक्त मिथिला सँ जुड़ल सदस्य श्री अभिनीत शांडिल्य जीक विवाह ६ दिसम्बर २०२० केँ पूर्ण दहेज मुक्त सम्पन्न भेलनि। विदित हो जे २०११ सँ दहेज मुक्त मिथिला समूह मे जुड़ि संकल्प लेने छलाह जेकरा पूर्ति कयलनि आ कहलनि जे हम अपन सासुर पक्ष केँ बरियातियो के स्वागत मे कोनो […]

दहेज मुक्त मिथिला नेपाल द्वारा पीड़िता केँ सहयोग आ सम्मान

दहेज मुक्त मिथिला नेपाल द्वारा पीड़िता केँ सहयोग आ सम्मान

राजविराज, 8 दिसम्बर 2020। मैथिली जिन्दाबाद!! दहेज मुक्त मिथिला (नेपाल) द्वारा आयोजित 16 दिवसीय लैंगिक भेदभाव आ महिला ऊपर हिन्सा विरुद्ध जनजागरण अभियान में काल्हि 7 दिसम्बर 2020 सोम दिन सप्तरी के मुख्यालय राजविराज में दुइ पीड़िता केँ सम्मान संग नगद पारितोषिक दैत संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा द्वारा प्रदान कयल गेल। सप्तरी केर चर्चित […]

विराटनगर मे मिथिला भवन व गायत्री मन्दिर निर्माणार्थ भूमि पूजन कयल गेल

विराटनगर मे मिथिला भवन व गायत्री मन्दिर निर्माणार्थ भूमि पूजन कयल गेल

४ दिसम्बर २०२० । विराटनगर । मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली सेवा समिति विराटनगर द्वारा गायत्री मन्दिर एवं मिथिला सामुदायिक भवन निर्माण लेल भूमि पूजन कार्य काल्हि दिनांक ४ दिसम्बर २०२० केँ विराटनगर मे सम्पन्न भेल अछि।   कोविड-१९ महामारी केर कारण सरकार द्वारा निर्धारित मापदंड अनुसार बिना कोनो विशेष भीड़भाड़ सिर्फ विराटनगर महानगरपालिका वार्ड संख्या १० […]

जगत में मिथिला हमर महान – रामभरोस कापड़ि भ्रमर रचित मिथिला गान केर लोकार्पण समारोह सम्पन्न

जगत में मिथिला हमर महान – रामभरोस कापड़ि भ्रमर रचित मिथिला गान केर लोकार्पण समारोह सम्पन्न

12 नवम्बर 2020, मैथिली जिन्दाबाद!! जगत में मिथिला हमर महान गीत केर भेल लोकार्पण मिथिला केर प्रसिद्ध गीतकार आ नाटककार संग साहित्यकार, पत्रकार, पैरोकार आ अनेकों प्रकार केर योगदान दाता रामभरोस कापड़ि भ्रमर केर रचित नव आ अनुपम गीत ‘जगत में मिथिला हमर महान’ केर लोकार्पण समारोह ‘आई लव मिथिला’ फेसबुक पेज द्वारा लाइव वेबिनार […]

योग प्रशिक्षिका काजल चौधरी द्वारा लाइव टिप्स दहेज मुक्त मिथिला पर

योग प्रशिक्षिका काजल चौधरी द्वारा लाइव टिप्स दहेज मुक्त मिथिला पर

31 अक्टूबर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!! सामाजिक संजाल केर लोकप्रिय अभियान दहेज मुक्त मिथिला केर फेसबुक समूह पर योग प्रशिक्षिका काजल चौधरी आइ सन्ध्या साढ़े 5 बजे लाइव आओती, ई जनतब समूह संचालिका वन्दना चौधरी देलीह। वर्तमान युग मे खानपान केर प्रकृति आ पाक पद्धति बदैल जेबाक कारण, जीवनशैली सेहो पहिने के तुलना काफी अलग […]

मोरंग- कोभीड-१९ महामारी केर रोकथाम और नियंत्रण के लेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय मोरंग सोम दिन स दशमी में सामूहिक पूजा पर रोक लगबैत एक निषेधाज्ञा आदेश जारी केलक अछि।

मोरंग- कोभीड-१९ महामारी केर रोकथाम और नियंत्रण के लेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय मोरंग सोम दिन स दशमी में सामूहिक पूजा पर रोक लगबैत एक निषेधाज्ञा आदेश जारी केलक अछि।

२०-१०-२०२० | विराटनगर | मैथिली जिन्दाबाद!!! मोरंग केर प्रमुख जिल्ला अधिकारी (प्रजिअ) कोशहरी निरौला द्वारा रवि दिन सांझ में जारी कएल गेल बयान में कहल गेल जे निषेधाज्ञा के पूर्णिमा केर मध्यरात्रि तक पालन हेबाक चाही। अहि निषेधाज्ञा केर पालन दीपावली एवं छैठ तक कएल जाए से आदेश देने छैथ। विज्ञप्ति अनुसार अहि आदेश के […]

सर्दी में होयत कोरोना आरो खतरनाक, आइब सकैत अछि दोसर लहर : नीति आयोग

सर्दी में होयत कोरोना आरो खतरनाक, आइब सकैत अछि दोसर लहर : नीति आयोग

नीति आयोग के सदस्य वीके पॉल कहला जे कोरोना वायरस के मामला और मृत्यु केर तथ्यांक में गिरावट आयल अछि। ई महामारी देश केर विभिन्न राज्य में सेहो फैलल अछि। यद्यपि, सर्दी केर मौसम में कोरोना संक्रमण के दोसर लहरक संभावना के नजरअंदाज नई करल जा सकैत अछि। देश में कोरोना वायरस केर डर निरंतर […]

शाश्वत मिथिला केर नव कार्यकारिणी समिति गठित

शाश्वत मिथिला केर नव कार्यकारिणी समिति गठित

18 अक्टूबर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!! गुजरात केर अहमदाबाद में सक्रिय शाश्वत मिथिला सामाजिक सांस्कृतिक संगठन केर नव कार्यकारिणी समिति ऐगला 2 वर्ष कार्यकाल वास्ते गठित करबाक घोषणा कयल गेल अछि। घोषणा स्वतः वर्णनीय अछि – ।। जय मिथिला।। ।। जय मैथिली।। *विषय:शाश्वत मिथिलाक नव कार्यकारिणीक गठन।* शाश्वत मिथिलाक विधानानुसार कार्यकारिणीक कार्यकाल दू वर्ष राखल […]

दुर्गा पूजा, दिपावली आ छठिक अवसर पर शुभकामना विज्ञापन पठाउ

दुर्गा पूजा, दिपावली आ छठिक अवसर पर शुभकामना विज्ञापन पठाउ

१६ अक्टूबर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली जिन्दाबाद वेबसाइट मार्फत अपन व्यवसायिक उत्पाद संग कोनो तरहक कमर्सियल एडवर्टाइजमेन्ट कयल जा सकैत अछि। विज्ञापन लेल १००० टका सँ १० हजार टका सालाना खर्च पर प्रभावकारी परिणाम प्राप्त कय सकैत छथि विज्ञापनदाता। संगहि मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृति केर कार्य मे सदिखन समर्पण संग भऽ रहल कार्य […]

महिनाथपुर केर प्रसिद्ध रंगकर्मी जगमोहन झा नहि रहलाह, विनम्र श्रद्धांजलि

महिनाथपुर केर प्रसिद्ध रंगकर्मी जगमोहन झा नहि रहलाह, विनम्र श्रद्धांजलि

साभार के सी सूरज फेसबुक अपडेट अत्यंत दुखद घटना । श्यामा नंद नाट्य कला परिषद, महिनाथपुर कय लेखक सह निर्देशक – परम पूज्य गुरुदेव जगमोहन झा आइ हमरा लोकनि सँ दूर भ पंचतत्व मे बिलीन भ गेलाह । नाटय कला परिषद के अपूरणीय क्षति भेल। हुनक रिक्त स्थान के भरय मे शायद कतेको बर्ष बीत […]