Home » Archives by category » News (Page 154)

परशुराम जयन्ती मनायल गेल
बिपिन मिश्रा, दरभंगा। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २१, २०१५. ब्राह्मण महासभा तथा परशुराम सेवा संस्थान केर संयुक्त तत्त्वावधान मे भव्य परशुराम जयन्ती महोत्सव दरभंगा मे मनायल गेल। वर्तमान समय राजनीतिक वातावरण सँ सृजित परिस्थिति मे परशुरामक नाम पर ब्राह्मण जाति मे एकता बनेबाक लेल एहि तरहक समारोहक महत्त्व बहुत बेसी भऽ गेल अछि, जहिना परशुराम अपना हाथमे […]

Saharsa Sa Khabair
– सुभाषचंद्र झा, सहरसा, मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २०, २०१५. चन्द्रशेखर जयन्ती पर रक्दान परसू यानि १८ अप्रैल, पूर्व प्रधानमंत्री स्व चन्द्रशेखर जीक जन्म जयंती पूर्व विधायक किशोर कुमार मुन्नाक आवास पर आयोजित भेल। वक्ता सब हुनक चित्र पर माल्यार्पण करैत कहलनि जे युवा तुरक नेताक रूप मे सभ दिन आदर्शक राजनीति कयलनि । एहि अवसर […]

Gareeb Swaabhimaan Rally Patna Me Aai
गरीब स्वाभिमान रैली आइ – किसलय कृष्ण, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २०, २०१५. बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जितनराम मांझीक नेतृत्व मे गठित हिन्दुस्तान अवाम मोर्चा द्वारा गरीब स्वाभिमान रैली केर विशाल आयोजन गाँधी मैदान पटना मे आइये कैल जा रहल अछि। आयोजन मे सहरसा सँ प्रसिद्ध मैथिलीसेवी बिमल कान्त झा केर नेतृत्व मे करीब ५००० कार्यकर्ता […]

Mithilak Vikash Lel Delhi Me Dharna
नव दिल्ली, मैथिली जिन्दाबाद, मार्च २०, २०१५. मैथिल यूथ परिषद् द्वारा दिल्लीक जन्तर मन्तर पर मैथिल युवा सब सामूहिक धरना-प्रदर्शन करैत अपन पहिचान केँ संविधान द्वारा स्थापित करबाक माँगक संग वर्तमान गृहराज्य मे आर्थिक उपेक्षा प्रति केन्द्र सरकारक ध्यानाकर्षण लेल ज्ञापन देलक। शिक्षा, स्वास्थ्य, रोजगार आर संस्कृतिक रक्षा – मूलत: यैह चारि माँगक संग केन्द्र तथा […]

मैथिल सदरे आलम गौहर सम्मानित
समाचार स्रोत: मधुबनी समाचार। कवि, कथाकार प्रो. सदरे आलम गौहार केँ हुनक रचना गोनू झाक खिस्सा लेल बिहार उर्दू अकादमी अवार्ड सँ सम्मानित कैल गेल। बिहार प्रदेश अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री नौशाद आलम पटना उर्दू अकादमीक सभागृह मे आयोजित समारोह मे, साहित्यिक संस्था ज्योत्सना मंडल सँ जुडल कवि, कथाकार प्रो. सदरे आलम गौहार केँ हुनक रचना ‘गोनू […]

Dahej Mukt Mithila Madhubani Meeting
संजय मिश्रा, मधुबनी। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल १९, २०१५. आइ दहेज मुक्त मिथिला के मधुबनी मे सफल बइसार भेल, जाही मे निर्णय भेल की मधुबनी मे बहुत जल्द दहेज मुक्त मिथिला के एक जिला स्तरीय टीम बनत, ओइ टीम मे सब जाती सब वर्ग के लोक के जोरइत साथ मे दहेज मुक्त मिथिला के पुरान सदस्य […]

Maithili Srashta Premarshi Sammanit
विराटनगर मे साहित्यसेवी लोकनिक सम्मान प्रसिद्ध नेपाली साहित्यकार तथा समाजसेवी स्व. देवकुमारी थापा द्वारा अपन दिवंगत सेनानी पति बब्बरसिंह थापाक स्मृतिमे २०६० सालमे स्थापित बब्बरसिंह थापा सेवा गुठी द्वारा हरेक वर्ष एकटा प्राज्ञ-साहित्यकार केँ सम्मान करैत आबि रहला मे एहि वर्षक सम्मान मैथिली भाषाक संग नेपाली भाषा मे सेहो साहित्यसेवा देनिहार प्रतिष्ठित स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि केँ पुरस्कृत कैल […]

3 Bachchaa Jair Gel
-सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद – मार्च १८, २०१५. महिषीक महिसरहो गाम मे शुक्र दिन एक घर मे आगि लागब सँ तीन बच्चा जरि कऽ मरि गेल। माटिक बर्तन बना – बेचि गुजर करयवला गांगो पंडितक पोता सब एसगरे आंगन मे छल । कहल जाइत अछि जे बिजलीक तार सँ उड़ल चिनगी सँ फूसक घर […]

मिथिलाँचल महासभा उत्तरप्रदेशक नव घोषणा: ५ बच्चाकेँ मुफ्त शिक्षा व्यवस्था
मिथिलाँचल महासभा कानपुर द्वारा घोषणा कैल गेल अछि जे आगामी शैक्षिक वर्ष २०१५-१६ लेल मैथिल समाजक ५ बच्चा केँ मुफ्त शिक्षा उपलब्ध कराओल जायत। महासभाक प्रवक्ता अनिला मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी दैत कहलनि जे साल भरि निरंतर किछु न किछु सार्थक डेग बढबैत अपन भाषाभाषी आ समाजक लोककेँ मिथिलाक अकाट्य पहिचान संग जोड़ि रखबाक निमित्त […]

मैथिली फिल्म समीक्षा: मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड
मैथिली फिल्म क्षेत्र मे एक आरो सुखद यात्रा किसलय कृष्ण, सहरसा, मैथिली जिन्दाबाद – १७ मार्च, २०१५. विगत किछु साल सँ मैथिली सिनेमा निर्माण मे तेजी अवश्य आयल अछि मुदा बेसी काज लौल मे भेल जेना प्रतीत होइत अछि। विभिन्न कमी-कमजोरीक कारण मैथिली फिल्ममे लगानी एकटा निराशाजनक वातावरण बनबैत अछि, कारण एहन फिल्म जाहि मे […]