Home » Archives by category » Uncategorized (Page 8)

मैथिल अभियानी महिषी सँ काठमांडुक यात्रा पर

मैथिल अभियानी महिषी सँ काठमांडुक यात्रा पर

मैथिली, मिथिला आ राष्ट्रवादकेर प्रखर समर्थक अभियानी तथा स्वतंत्र पत्रकार अमित आनन्द अपन कर्मक्षेत्र महिषी (सहरसा) सँ काठमांडुक यात्रा पर आइ निकैल चुकला अछि। अपन फेसबुक स्टेटस मे ओ कहलैन जे ‘चललहुँ काठमांडुक यात्रा पर भाया राजविराज।’ जानकारी करुणा झा द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केँ भेटल छल जे सहरसा सँ किछु अभियानी लोकनि काठमांडुक यात्रा पर […]

जरुरतमंद तक राहत पहुँचाउ – मुहिम ‘मैथिली जिन्दाबाद’

जरुरतमंद तक राहत पहुँचाउ – मुहिम ‘मैथिली जिन्दाबाद’

एखनहि अपन एक संबंधी सँ बात केला पर पता चलल जे ओ सब सानेपा क्षेत्र काठमांडु मे रहैत छथि, जाहि घर मे रहि रहल छलाह ओ घर मे काफी क्षति पहुँचल अछि। लोक सब ओतय सँ छोड़ि-छाड़ि एकटा समीपक पार्क मे रहि रहल अछि। लेकिन खेबाक-पीबाक कोनो खास इन्तजाम ओतय नहि छैक, बच्चा सब लेल […]

नेपाल मे भूकंप

नेपाल मे भूकंप

पोखरा नजदीक लमजुंग केन्द्र सँ भूकम्प शनि दिन विहान नेपाली समयानुसार दुपहरियाक १२ बजे आयल छल जे नेपाल सहित भारतक संपूर्ण उत्तरी भाग केँ  हिला देलक। सर्वाधिक प्रभाव नेपालक पहाड़ी जिला जाहि मे राजधानी काठमान्डु आ पर्यटन लेल प्रसिद्ध पोखरा सहित सागरमाथा चोटी पर आरोहण हेतु आबयवला पर्वतारोहीक सबहक बेस कैम्प आदि मे देखेलक। नेपालक तराई (मिथिला […]

गुगल मैथिलीक 3 साल

गुगल मैथिलीक 3 साल

“गुगल मैथिलीक 3 साल” टेक-मिथिला | झाचंदन | नव दिल्ली | 17 अप्रिल, 2015 05:25 PM IST क़ुनु देश, प्रांत वा क्षेत्रक पहिल पहिचान ओक्कर भाषा होएत अछि। विश्वक सबसौं पुरान भाषा मs सs एक मैथिली भाषा छैक जेक्कर पहिचान भारतीय संविधान मs 2003 आ नेपाली संविधान 2063 वि.सं. साल अर्थात् 2007मs भेटल| संविधानमे मान्य स्थान भेटलाक बाद मैथिली केर प्रयोग शनैः-शनैः आन स्थल जेनाकि […]

मैथिली साहित्य महासभाक प्रथम गोष्ठी संपन्न

मैथिली साहित्य महासभाक प्रथम गोष्ठी संपन्न

दिल्ली मे मैथिली पोथी आ पत्र-पत्रिकाकेर उपलब्धता विषय पर गोष्ठी संपन्न   मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी दरभंगाक मूल निवासी आ वर्तमान दिल्ली मे पत्रकारिता समान उच्च सेवा मे योगदान देनिहार आ संगहि हेल्लो मिथिला ब्लाग केर संचालक हितेन्द्र गुप्ताक नेतृत्व मे आइ मैथिली साहित्य महासभाक एकटा विचार गोष्ठी सफलतापूर्वक संपन्न भेल। एहि गोष्ठी द्वारा दिल्ली मे […]

Message of Thanks to All!

Message of Thanks to All!

धन्यवाद ज्ञापन अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ मे सब सहयोगी केँ हृदय सँ आभार! बहुत हाल तक ‘मैथिली महायात्रा’ केर अर्थ बुझबा मे कतेको विज्ञजन तक केँ समस्या भेलनि। आशा करैत छी जे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५, विराटनगर सब गोटा केँ मैथिली-मिथिलाक विभूति सँ दर्शन कराय अपन प्रासंगिकता केँ प्रमाणित केलक। कार्यक्रम सफलतापूर्वक निष्पादन कैल जा […]

मैथिली नव वर्षक बधाई-संदेश

मैथिली नव वर्षक बधाई-संदेश

– बिन्देश्वर ठाकुर, कतार    नव बर्ष २०७२ के शुभ उपलक्ष्यमे सम्पूर्ण साथीसभमे उत्तरोत्तर प्रगतिक कामना सहित ई एकटा कविता …….   सम्मान जन्मभूमि केर [कविता] आयल नवका साल देखु लs कs एक नयाँ उत्साह सब छथि मगन एक दोसरमे करय हृदयसँ प्रेम प्रवाह ।।   आजु कते महत्वक दिन एक दोसराकेँ सब जुराबय रहय सदखनि […]

झारखंड मैथिल रत्न सम्मान: डा. रविन्द्र कुमार चौधरी आ आइपीएस रोहण झा केँ

झारखंड मैथिल रत्न सम्मान: डा. रविन्द्र कुमार चौधरी आ आइपीएस रोहण झा केँ

मिथिला सांस्कृतिक परिषद् – बोकारो द्वारा मैथिली तथा मिथिला प्रति पूर्ण समर्पित कार्य करनिहार विद्वान् डा. रविन्द्र कुमार चौधरी आ युवा आइपीएस रोहण झा जे मिथिलाक नाम रोशन केलनि अछि – हिनका दुनू गोटा केँ झारखंड मैथिल रत्न सम्मान सँ सम्मानित कैल गेलनि अछि। हिनका दुनू गोटा केँ मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ बधाई!

शिक्षाक माध्यम आ ओकर प्रभाव

शिक्षाक माध्यम आ ओकर प्रभाव

विश्व भरि मे प्रसिद्ध छैक जे कोनो भाषाक कथनीकेँ अपना मातृभाषामे अनुवाद करू आ सबसँ नीक जेकाँ ओहि कथनक सारकेँ बुझू। प्राचिन समयसँ लैत वर्तमान आधुनिक शिक्षा प्रणालीमे लोकभाषाक महत्त्व सर्वोपरि छैक। शिक्षककेँ प्रशिक्षणकालसँ लैत निर्देश-पत्रिका मार्फत सेहो यैह सिखायल जाइत छैक जे गूढ सँ गूढ ज्ञानकेँ छात्रक मातृभाषा (स्थानीय भाषा) मे सिखाउ, ताहिसँ समझ-शक्ति […]

मिथिला दिवस समारोह – मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य

मिथिला दिवस समारोह – मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य

जमशेदपुर मे मिथिला दिवस समारोह: झारखंड मुख्यमंत्री रघुवर दास द्वारा उद्घाटन   – किसलय कृष्ण, जमशेदपुर, मैथिली जिन्दाबाद, १५ मार्च, २०१५।   अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् द्वारा झारखंडक आर्थिक राजधानी आ भारतक मैनचेस्टर कहल जायवला औद्योगिक नगरी जमशेदपुर (टाटा) मे काल्हि मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य ‘मिथिला दिवस’ केर रूप मे समारोहपूर्वक मनाओल गेल। एकर उद्घाटन झारखंडक […]