Home » Archives by category » Uncategorized (Page 2)

घरै सऽ जानकी नवमी मनएबाक लेल अपीलः छोटे महंथ
घरे सऽ जानकी नवमी मनएबाक लेल अपीलः छोटे महंथ मनीष कर्ण, जनकपुरधाम। २३ अप्रैल २०२०. मैथिली जिन्दाबाद!! प्रत्येक वर्ष जनकपुरधाममें मनाओल जाएबला जानकी नवमी केर एहि वर्षक विशेष उत्सवसभ लौकडौनक कारण प्रभावित भऽ रहल अछि। विश्वभरि मे पसरल वैश्विक महामारी नॉवेल कोरोना भाइरस केर कारणे नेपाल सरकार द्वारा लौकडौन लगएला बाद जानकी नवमी उत्सवमें समेत […]

दहेज मुक्त समाज निर्माणक प्रयास लेल मैथिली गायिका अंजू ओ दूल्हा रामविनयक संयुक्त सम्मान
विराटनगर, १८ फरवरी २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! दहेज मुक्त मिथिलाक सम्मान सुश्री अंजू यादव एवं श्री रामविनय यादव केर शुभ-विवाहोत्सव पर काल्हि फागुन ७ गतेक दिन दहेज मुक्त मिथिला (नेपाल) केर संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा केर सौजन्य सँ अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक केर रूप मे हमरहु उपस्थिति मे ई सम्मान पत्र प्रदान कयल जेबाक निर्णय कयल […]

मैथिली-मिथिलाक सामान्य ज्ञान
मैथिली-मिथिलाक सामान्य ज्ञान लेल ई प्रश्नावली देखू। एकर तैयारी कय केँ अहमदाबाद मे आयोजित “कतेक जिबैया मैथिली” क्वीज प्रतियोगिता मे भाग लिअ आ एकटा कलर टीवी केर विजेता बनू। ओहुना एहि प्रश्न आ उत्तर केर अध्ययन सँ सामान्य ज्ञान बढत आर अपन मौलिक पहिचान प्रति सजगता बढत। डाउनलोड PDF

अटल मिथिला सम्मान समारोह दिल्ली मे १७ अगस्त केँ होयत: उपराष्ट्रपति सेहो संभावित अतिथि
३१ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली भाषा केँ संवैधानिक मान्यता दियौनिहार प्रखर भारतीय नेता, पूर्व प्रधानमंत्री एवं भारत रत्न अटल विहारी बाजपेयी जी केर नाम पर एहि भाषा केँ आगाँ बढेनिहार विभिन्न व्यक्तित्वक संग आनहु भाषा-संस्कृति केर ओहेन महत्वपूर्ण व्यक्ति जे मैथिली-मिथिला प्रति सद्भावना रखैत छथि तिनका सभ केँ ‘अटल मिथिला सम्मान’ देल जेबाक लेल […]

सम्भ्रान्त लोक के?
आजुक विचार विराटनगर, १६ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! सम्भ्रान्त केर सहज अर्थ लगैत छैक ओहि व्यक्ति सँ जेकर प्रतिष्ठा समाज मे स्थापित रहैत छैक, जे प्रतिष्ठित अछि, ओ सम्भ्रान्त अछि। सम्भ्रान्तक परिभाषा पर साहित्यिक आ लौकिक दृष्टि राखू। जिनका समाज सँ कोनो सरोकारे नहि, जे समाजक वास्ते कोनो तरहक योगदान देबाक लेल सचेष्ट तक नहि, […]

एकरा कहैत छैक तरीका – नेतृत्व मे विश्वास रखले सँ देश आ जनताक समृद्धि आ विकास संभव
नेतृत्व मे विश्वास – देशक संग जनताक समृद्धि आ विकास आइ २२ मई २०१९ – विश्व केर एक महान लोकतांत्रिक राष्ट्र भारत केर आगामी ५ वर्ष केर सरकार केर कार्यकालक लगभग अन्तिम दिन, कारण काल्हि नव सरकार केकर बनत से चुनावी परिणाम घोषित कयल जायत। एहि बीच अनेकों नाटकीय प्रकरण सभ इलेक्ट्रानिक मीडिया, सोशल […]

कि अहाँ केँ पता छल – अहाँक आसपास एक एहेन चिड़ियाँ अछि जे केकरो करोड़पति बना सकैत य!
टिटहीक एक आर खासियत ई तथ्य बड़ा रोचक आ महत्वपूर्ण लागल, प्रसंगवश काल्हि कहने रही एक लेख मे, आइ एकरा आरो फरिछाकय लिखबाक इच्छा भेल अछि। मान्यता अनुसार टिटही अपन अंडा कोनो खोंता बनाकय आ आन चिड़ियाँ जेकाँ अंडा सेविकय अपन सन्तति (ऐगला पीढी) केँ एहि धराधाम मे नहि आनि एक विचित्र प्रक्रिया […]

नेपालक पहिल राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव करता ‘चनमा’ केर उद्घाटन
विराटनगर, २३ मई, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! काठमांडू मे प्रस्तावित कार्यक्रम ‘चनमा’ केर उद्घाटन नेपालक पहिल राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव करता – एहि बातक पुष्टि करैत चनमा आयोजन समितिक अध्यक्ष विभा झा अपन स्टेटस अपडेट कयलनि अछि। मिथिलाक अनुपम डेग केर आयोजकत्व तथा मयूर फोसेट्स प्रा. लि. केर प्रस्तुति मे नेपालक राजधानी काठमांडू मे २-दिवसीय ‘मिनी […]

दहेजक हावा एहेन चललै बेटी आइ भेलै भारी
गीत – राम सोगारथ यादव आँगनक तुलसी कोन कारणे, आइ भेलै महकारी दहेजक हावा ऐहन चललै, बेटी आइ भेलै भारी! तुलसी ई तुलसी खेलसँ, तुलसीक बीज तारल जाइ कि तँ कोंडियाईते आ लहलहाइते, फेर मारल जाइ बाँचल तुलसी चतैरते काल, फेर कतौ गाड़ल जाइ तखनो चयन कहाँ तुलसीके, दहेज लेल मारल जाइ कोनाक बुझियै बेटे जकाँ, बेटीयो छै घरक दुलारी दहेजक हावा……….. […]

पहिने कविता पाठ आ फेर माछ भात – प्रसंग शिवनगरक काव्य बैसार
शिवनगर, मधुबनी। जनवरी ८, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! कविता पाठ आ माछ-भात रिपोर्ट- काव्य बैसार, अक्षय आनन्द सन्नी मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड क्षेत्राधीन शिवनगर गाम स्थित गाण्डिवेश्वर स्थान परिसरमे चलंत मासिक कवि गोष्ठी काव्य बैसारक पन्द्रहम आयोजन सफलतापूर्ववक संपन्न भेल. शिवनगर गामवासी सुमंत कुमरक अध्यक्षतामे सुसम्पन्न भेल एहि आयोजनमे कविताक प्रति श्रोताक अभिरूचि कविता आ श्रोताक […]