Home » Entries posted by प्रवीण नारायण चौधरी (Page 300)

Stories written by pravinnchoudhary
मैथिली नव वर्षक बधाई-संदेश

मैथिली नव वर्षक बधाई-संदेश

– बिन्देश्वर ठाकुर, कतार    नव बर्ष २०७२ के शुभ उपलक्ष्यमे सम्पूर्ण साथीसभमे उत्तरोत्तर प्रगतिक कामना सहित ई एकटा कविता …….   सम्मान जन्मभूमि केर [कविता] आयल नवका साल देखु लs कs एक नयाँ उत्साह सब छथि मगन एक दोसरमे करय हृदयसँ प्रेम प्रवाह ।।   आजु कते महत्वक दिन एक दोसराकेँ सब जुराबय रहय सदखनि […]

झारखंड मैथिल रत्न सम्मान: डा. रविन्द्र कुमार चौधरी आ आइपीएस रोहण झा केँ

झारखंड मैथिल रत्न सम्मान: डा. रविन्द्र कुमार चौधरी आ आइपीएस रोहण झा केँ

मिथिला सांस्कृतिक परिषद् – बोकारो द्वारा मैथिली तथा मिथिला प्रति पूर्ण समर्पित कार्य करनिहार विद्वान् डा. रविन्द्र कुमार चौधरी आ युवा आइपीएस रोहण झा जे मिथिलाक नाम रोशन केलनि अछि – हिनका दुनू गोटा केँ झारखंड मैथिल रत्न सम्मान सँ सम्मानित कैल गेलनि अछि। हिनका दुनू गोटा केँ मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ बधाई!

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् – जमशेदपुर अध्यक्ष मे अमलेश झा निर्वाचित: अन्तर्वार्ता

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् – जमशेदपुर अध्यक्ष मे अमलेश झा निर्वाचित: अन्तर्वार्ता

– प्रवीण नारायण चौधरी, विराटनगर, मार्च १५, २०१५, मैथिली जिन्दाबाद! अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् – मिथिलाक एक प्राचिन सुसंगठित संस्था जे भाषिक, राजनैतिक, सांस्कृतिक आ सामाजिक विषय पर कार्य करैत आबि रहल अछि आ जेकर सबसँ मजबूत शाखा जमशेदपुर केँ मानल जाइत अछि, ताहि संस्थाक अध्यक्षक रूप मे अनेको बुजुर्ग-पुरान नेतृत्वकर्ताक सोझाँ युवा नेतृत्वक जीत वर्तमान […]

सलहेशक फूलबाड़ी मे फूलायल अनुपम फूल

सलहेशक फूलबाड़ी मे फूलायल अनुपम फूल

– सुनील गुप्ता, सिरहा। मार्च १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद। मिथिलाक लोकराजा – लोकदेवता आ महावीर-पराक्रमी सलहेश आ हुनक प्रेमिका कुसुमाक संग प्रेमगाथाक जीवन्त गान करयवला अनुपम फूल सिरहाक लहान समीप सुप्रसिद्ध सलहेश फूलबाड़ी मे पुन: वैशाख १ गते मैथिली नव-वर्षक दिन फूलायल अछि। ज्ञात हो जे ई फूल भैर बरिस मे एक्कहि दिन, अही दिन […]

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नवल प्रशासीदल

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नवल प्रशासीदल

– शिव कुमार झा ‘टिल्लू’, जमशेदपुर। मार्च १५, २०१५; मैथिली जिन्दाबाद   अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नूतन कार्यकारिणीक गठन राति मे नववर्षक समारोह मे कएल गेल . एहि संस्थाक प्रदेश महासचिव आ मैथिलीक चर्चित साहित्यकार प्रो. डॉ . रवींद्र कुमार चौधरी जी सकल प्रशासी कार्यकरिणीक घोषणा कयलनि. नव संगठनमे जमशेदपुरक चर्चित संस्कृति प्रेमी आ एहि […]

मिथिला दिवस समारोह – मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य

मिथिला दिवस समारोह – मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य

जमशेदपुर मे मिथिला दिवस समारोह: झारखंड मुख्यमंत्री रघुवर दास द्वारा उद्घाटन   – किसलय कृष्ण, जमशेदपुर, मैथिली जिन्दाबाद, १५ मार्च, २०१५।   अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् द्वारा झारखंडक आर्थिक राजधानी आ भारतक मैनचेस्टर कहल जायवला औद्योगिक नगरी जमशेदपुर (टाटा) मे काल्हि मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य ‘मिथिला दिवस’ केर रूप मे समारोहपूर्वक मनाओल गेल। एकर उद्घाटन झारखंडक […]

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

– प्रवीण नारायण चौधरी विराटनगर, मैथिली जिन्दाबाद! अप्रैल १२, २०१५. विराटनगर मे आयोजित एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय कवि सम्मेलन – २०१५ समारोहपूर्वक संपन्न कैल गेल। एहि सम्मेलन मे मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृतिक कवि एवं अभियानी लोकनीक ४ पीढीक प्रत्यक्ष सहभागिता देखल गेल। खुल्ला आमंत्रण मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे भारत ओ नेपाल सँ करीब १३० […]

मैथिली जिन्दाबाद डट कम – सम्पादकीय

मैथिली जिन्दाबाद डट कम – सम्पादकीय

मैथिलीभाषीक जनसंख्या ७ करोड़ – सरकारी आँकड़ा मुताबिक आ विभिन्न राजनीतिक पैंतराबाजी सँ प्रभावित भेलाक बादो नेपाल आ भारत दुनु देशक जनगणना मुताबिक लगभग ४ करोड़ मैथिलीभाषी छथि। विश्व भरिक भाषिक पहिचान मे सेहो मैथिलीक अधिकार सर्वथा ऊपर आ मुख्य भाषाक रूप मे मान्य अछि। प्राचिनकालक चर्चा सँ वर्तमान समयक शोधपूर्ण व्याख्यादि मे पर्यन्त मैथिली […]

छठि मैया आ डूबैत-उगैत सूरुजके पूजा

छठि मैया आ डूबैत-उगैत सूरुजके पूजा

छैठ परमेश्वरी के पूजा समस्त मिथिलावासी लेल अति प्राचिन पारंपरिक पूजन समारोह थीक। सामूहिक रूपमें बेसीतर महिला लेकिन गोटेक पुरुष व्रतधारी सभ संग अनेको प्रकारके पकवान व ऋतुफल संग संध्याकालीन सूर्यकेँ हाथ उठाय नमस्कार अर्पण करैत पुनः उषाकाल भोरहरबेसँ छठि परमेश्वरी (उगैत सूरज) केर दर्शन लेल व्रतधारी करजोड़ि ठरल जलमें ठाड़्ह इन्तजार करैत छथि। सूर्योदय […]

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला चुगलखोरी करनिहारके कहल जाइत छैक। मिथिलामें मैथिल सभक एक महत्त्वपूर्ण पावैन सामा-चकेवा में चुगला-दहन के गाथा छैक। चलू यैह बहाना हम किछु संस्मरण करी पावैन सामा-चकेवा जे मिथिलामें लोक-पर्व रूप मनयबाक अति प्राचिन परंपरा अछि।  पात्र परिचय: सामा – याने द्वारकाधीश श्री कृ्ष्णकेर बेटी के नाम! प्रकृति-प्रेमसँ आविर्भूत! सदिखन चिड़ै-चुनमुनी, जंगल-पहाड़, नदी-झरना-पोखैर-वन-उपवनमें रमनिहैर !  […]