Home » Entries posted by प्रवीण नारायण चौधरी (Page 216)

Stories written by pravinnchoudhary
अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नवल प्रशासीदल

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नवल प्रशासीदल

– शिव कुमार झा ‘टिल्लू’, जमशेदपुर। मार्च १५, २०१५; मैथिली जिन्दाबाद   अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नूतन कार्यकारिणीक गठन राति मे नववर्षक समारोह मे कएल गेल . एहि संस्थाक प्रदेश महासचिव आ मैथिलीक चर्चित साहित्यकार प्रो. डॉ . रवींद्र कुमार चौधरी जी सकल प्रशासी कार्यकरिणीक घोषणा कयलनि. नव संगठनमे जमशेदपुरक चर्चित संस्कृति प्रेमी आ एहि […]

मिथिला दिवस समारोह – मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य

मिथिला दिवस समारोह – मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य

जमशेदपुर मे मिथिला दिवस समारोह: झारखंड मुख्यमंत्री रघुवर दास द्वारा उद्घाटन   – किसलय कृष्ण, जमशेदपुर, मैथिली जिन्दाबाद, १५ मार्च, २०१५।   अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् द्वारा झारखंडक आर्थिक राजधानी आ भारतक मैनचेस्टर कहल जायवला औद्योगिक नगरी जमशेदपुर (टाटा) मे काल्हि मैथिली नव वर्षक उपलक्ष्य ‘मिथिला दिवस’ केर रूप मे समारोहपूर्वक मनाओल गेल। एकर उद्घाटन झारखंडक […]

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ भव्यतापूर्वक संपन्न

– प्रवीण नारायण चौधरी विराटनगर, मैथिली जिन्दाबाद! अप्रैल १२, २०१५. विराटनगर मे आयोजित एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय कवि सम्मेलन – २०१५ समारोहपूर्वक संपन्न कैल गेल। एहि सम्मेलन मे मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृतिक कवि एवं अभियानी लोकनीक ४ पीढीक प्रत्यक्ष सहभागिता देखल गेल। खुल्ला आमंत्रण मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे भारत ओ नेपाल सँ करीब १३० […]

मैथिली जिन्दाबाद डट कम – सम्पादकीय

मैथिली जिन्दाबाद डट कम – सम्पादकीय

मैथिलीभाषीक जनसंख्या ७ करोड़ – सरकारी आँकड़ा मुताबिक आ विभिन्न राजनीतिक पैंतराबाजी सँ प्रभावित भेलाक बादो नेपाल आ भारत दुनु देशक जनगणना मुताबिक लगभग ४ करोड़ मैथिलीभाषी छथि। विश्व भरिक भाषिक पहिचान मे सेहो मैथिलीक अधिकार सर्वथा ऊपर आ मुख्य भाषाक रूप मे मान्य अछि। प्राचिनकालक चर्चा सँ वर्तमान समयक शोधपूर्ण व्याख्यादि मे पर्यन्त मैथिली […]

छठि मैया आ डूबैत-उगैत सूरुजके पूजा

छठि मैया आ डूबैत-उगैत सूरुजके पूजा

छैठ परमेश्वरी के पूजा समस्त मिथिलावासी लेल अति प्राचिन पारंपरिक पूजन समारोह थीक। सामूहिक रूपमें बेसीतर महिला लेकिन गोटेक पुरुष व्रतधारी सभ संग अनेको प्रकारके पकवान व ऋतुफल संग संध्याकालीन सूर्यकेँ हाथ उठाय नमस्कार अर्पण करैत पुनः उषाकाल भोरहरबेसँ छठि परमेश्वरी (उगैत सूरज) केर दर्शन लेल व्रतधारी करजोड़ि ठरल जलमें ठाड़्ह इन्तजार करैत छथि। सूर्योदय […]

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला (गीत नाटिका)

चुगला चुगलखोरी करनिहारके कहल जाइत छैक। मिथिलामें मैथिल सभक एक महत्त्वपूर्ण पावैन सामा-चकेवा में चुगला-दहन के गाथा छैक। चलू यैह बहाना हम किछु संस्मरण करी पावैन सामा-चकेवा जे मिथिलामें लोक-पर्व रूप मनयबाक अति प्राचिन परंपरा अछि।  पात्र परिचय: सामा – याने द्वारकाधीश श्री कृ्ष्णकेर बेटी के नाम! प्रकृति-प्रेमसँ आविर्भूत! सदिखन चिड़ै-चुनमुनी, जंगल-पहाड़, नदी-झरना-पोखैर-वन-उपवनमें रमनिहैर !  […]

तीन बात

तीन बात

प्रत्येक मनुष्य लेल निम्न तीन बात विचारपूर्वक करबाक चाही। १. शरीरक तप: देवद्विजगुरुप्राज्ञपूजनं शौचमार्जवम्। ब्रह्मचर्यमहिंसा च शारीरं तप उच्यते॥ देवता, द्विज (ब्राह्मण व जीवन मे संस्कार प्रदान केला उपरान्त दोसर बेर जन्म भेनाय माननिहार), गुरु, प्राज्ञ (विद्वान्, ज्ञानी, गुणी) केर पूजन; शौच (शारीरिक मलादि सँ निवृत्ति, स्नान आ सफाइ आदि) आ मार्जव (शारीरिक सरलता, साधारण […]

वाह! पगला बाबु!

वाह! पगला बाबु!

वाह! पगला बाबु! अहाँक जतेक सराहना हो ओ कम होयत!! ई कोनो नवका रोग नहि पगलाक – ओ सब दिन अहिना करैत रहल। ओ तऽ पहिने ओकरा पीठ पर सवारी कसल रहैत छलैक तऽ यथार्थ कार्य करैत छल। फूइस बाजनाय तऽ ओकर कला छैक। गीदरक कथा नहि बिसरू। समाचार पढि लैत छल आ अपनहि टा […]

मैथिल गप्पी कियैक होइत अछि?

मैथिल गप्पी कियैक होइत अछि?

मैथिल खूब गप्पी टा होइत अछि, वास्तविकता यैह छैक। अहाँ गप खूब लय सकैत छी मैथिल जनमानस सँ। एकरा लेल खूब शोध केलाक बाद पता चलैत छैक जे बेसी रास लोक, कहि सकैत छी जे सब कियो अपन पैर पर ठाढ छथि या हेबाक लेल तत्पर छथि। निजी आवश्यकताक पूर्ति करबाक संघर्ष मे व्यस्त लोक […]

समाजक इच्छा कि?

समाजक इच्छा कि?

राम विलास राम केर एकमात्र पुत्र फूलबाक बियाह सांगी चमरटोलीक सुप्रसिद्ध साहुकार जोखन रामक सुपुत्री संग धुमधाम सँ संपन्न भेलैक। लेनदेनक पराकाष्ठा गामक लोक देखलक। एहि सँ पहिने राम विलासक परिवार मे केकरो एतेक बढियां साँठ उपहार नहि भेटल छलैक। फूलबा बिहार सरकारक नवका योजना नियोजित शिक्षक बनि गेल छल आ राम विलासक मेहनैत काज […]

Page 216 of 216« First‹ Previous214215216