Home » Entries posted by admin

मैथिली-मिथिलाक सामान्य ज्ञान
मैथिली-मिथिलाक सामान्य ज्ञान लेल ई प्रश्नावली देखू। एकर तैयारी कय केँ अहमदाबाद मे आयोजित “कतेक जिबैया मैथिली” क्वीज प्रतियोगिता मे भाग लिअ आ एकटा कलर टीवी केर विजेता बनू। ओहुना एहि प्रश्न आ उत्तर केर अध्ययन सँ सामान्य ज्ञान बढत आर अपन मौलिक पहिचान प्रति सजगता बढत। डाउनलोड PDF

बाबाजी केर विशिष्ट भजन
एक बेरि हर हमरा दिशि हेरू पार्वती पति दारिद्र फेरू…. करिय अनुग्रह निज जनु जानी होऊ सहाय शिव सहित भवानी एक बेरि हर….. काम-क्रोध-मद प्रीत के जारू लोभ मोह ममता सब टारू एक बेरि हर…. दु:खभंजन जनरंजन शंकर संत सुधाकर दुष्ट भयंकर एक बेरि हर हमरा….. निज जनु जानी धरू करुआरि […]

भगवानक भजन कियैक करू!!
आध्यात्मिक चिन्तन तुलसीदासकृत रामायण मे डेग-डेग पर सुन्दर ज्ञान केर दर्शन करायल गेल अछि। गारंटी एहि बातक अछि जे साधक नित्य रामायणक किछु चौपाई, दोहा आदि पढय, मनन करय तऽ मनुष्य जीवनक समुचित लाभक दर्शन भेटबे टा करतैक। जीवलोक मे मनुष्य जीवनक महत्त्व यैह कारण विशेष छैक जे पशु सँ मानव ‘विवेक’ केर कारण भिन्न […]

दहेज मुक्त मिथिला राष्ट्रीय कार्यकारिणी चुनाव २०१५ भेल सम्पन्न
सितम्बर २३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! आइये एकटा अनलाइन कन्फ्रेन्स केर माध्यम सँ दहेज मुक्त मिथिला केर राष्ट्रीय कार्यकारिणीक चुनाव (२०१५) संपन्न भेल। विदित हो जे २०११ केर मार्च ३ सँ प्रारंभ ई अभियान हाल धरि सैकड़ों जागृतिमूलक कार्यक्रम मिथिलाक विभिन्न स्थान सहित भारत तथा नेपालक अलग-अलग स्थान पर आयोजित करैत आबि रहल अछि। एहि संस्थाक […]

भारतीय सेनाक बहादुरी सँ रक्षित भारत: प्रम द्वारा १९६५ केर युद्ध मे विजयी सेनाक स्मृति
दिल्ली, सितम्बर २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! भारतीय प्रधानमंत्री द्वारा पाकिस्तान संग भेल १९६५ केर युद्ध मे प्राप्त विजय केर ५० वर्ष पूरा भेलाक अवसर केँ विशेष रूप सँ चिह्नित करैत वीर सेनानी लोकनिकेँ स्मरण मे आनल गेल अछि। अमर जवान केर अखण्ड ज्योति स्मारक पर पहुँचि प्रधानमंत्री अपन श्रद्धा-सुमन अर्पित करैत सेनाक अविस्मरणीय योगदान केँ […]

दहेज मुक्त मिथिला राष्ट्रीय कार्यकारिणीक चुनाव २०१५
सितम्बर २३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! सोशियल नेटवर्क सँ यथार्थ धरातल पर कार्यरूप मे परिणत एकमात्र दहेज विरोधी संस्थाक राष्ट्रीय कार्यकारिणीक चुनाव पिछला किछु मास सँ प्रस्तावित रहितो विभिन्न कारण सँ संपन्न नहि भऽ सकल अछि। राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा द्वारा जानकारी कराओल गेल अछि जे प्रत्येक २ वर्ष लेल प्रभावी कार्यकारिणीक कार्यकाल समाप्ति भेलाक बाद […]

गणतंत्रक शोकगीत
कविता – सियाराम झा सरस हम देखलौं रे हम देखलौं अपन दुलारू लोकतंत्र केँ लीढही खत्ता फेकलौं!! हम देखलौं…. चोरक बीच साधुकेँ ताकी आब साधुए सँ बेसी पाकी मसियौत-पिसियौत-ममियौती पहिने तँ एना नै सुनलौं ई की हम पढलौं-गुनलौं!! हम देखलौं…. राष्ट्रक मंदिर डाकूक मेला तै मेला मे नोटक खेला तै खेला […]

मैथिली कथा: भीखमंग
यथार्थ कथा – प्रवीण नारायण चौधरी देखय-सुनयमें ओ केकरो सऽ खराब नहि कहल जा सकैत छल आ नहिये खराब छलैक विचार, सदा-सदा लेल अपन भागक खेनाय सेहो दोसरे बच्चाकेँ खुवाबय के इच्छा रखनिहार गुलटेनमा गाम भरि प्रसिद्ध छल आ सब कियो ओकरा दुलार करैत छलैक, स्नेह भरल दृष्टिसँ देखैत छलैक आ ओकर माय-बापकेँ कहैत छलैक […]

मैथिली कथा: लूल्हीक गोइठी बिछनाय
गामक याद: लूल्हीक गोइठी बिछनाय – प्रवीण नारायण चौधरी कोनो जमाना मे मिथिलाक गाम-घर जहिया मूल कृषि पर आधारित जीवन-यापन चलबैत रहल – ताहि समय माल-जाल चराबय हेतु गाम सँ बाहर मैदान तक एक पेरिया रस्ता, कच्ची-पक्की सब उपयोग मे अबैत छल। भैर पेट जखन खाय गाय-महिस-बरद-बकरी-भेड तखन मुनहाइर साँझ तक फेर सब केँ हाँकि […]

खिरपुरिया पावनि चौरचन: शिक्षा ग्रहण प्रारंभ करबाक दिन
विचार-अनुभूति – प्रा. परमेश्वर कापड़ि प्रकृतिक लागि–भागिमे रहल, सब अर्थे सहज सात्विक गुजर–बसर करएबला अपन मिथिलाक कर्म–धर्म प्रधान समाजक मौलिक संस्कृतिमे आध्यात्मिक जीवनक जतेक महत्व अछि, ओतबे आस्था–विश्वास एहि लोकके दिन–बेरागन परक व्रत, पावनि–तिहारपर अछि । आम लोकक अगम अथाह आस्था–विश्वासक बीजमन्त्र समर्पित भावे एहिमे एहन क’ ने सन्हिआएल अछि जकरा भौतिकताक चकचोन्हि आधुनिकताक आन्हर […]